विराटनगर २३ माघ । प्रदेश एकके मुख्यमन्त्री राजेन्द्र राई मन्त्रिपरिषद बिस्तार कएनेछथि । मुख्यमन्त्री राई ८ गोटे मन्त्री थप करैत मन्त्री परिषद बिस्तार कएनेछथि । अहिसंगे प्रदेश एकमें मन्त्रीके संख्या १४ पहुँचल अछि । मुख्यमन्त्री राई अपन नियुक्तिके तीन महिना पश्चात मन्त्रिपरिषद बिस्तार कएनेछथि ।
पाँच दलीय गठबन्धनके प्रदेश एक सरकारमें नेपाली कांग्रेससँ पाँच गोटे, नेकपा एससँ चारि, माओवादी केन्द्रसँ तीन आ जसपासँ एक गोटे मन्त्री अछि । संघीय लोकतान्त्रिक राष्ट्रिय मञ्चसँ एक गोटे राज्यमन्त्री बनल अछि । प्रदेश एकके प्रदेश प्रमुख परशुराम खापुङ्ग प्रदेश सरकारके सिफारिसमें रबिदिन मौजुदा मन्त्रिपरिषदके आठगोटे मन्त्री नियुक्ति, हेरफेर आ कार्य विभाजन कएनेछथि ।
बिस्तारित मन्त्रिपरिषदमे रामकुमार राई, राजन राई, खिनु लङ्वा लिम्वु, झलकबहादुर मगर, शेखरचन्द्र थापा, ओमप्रकाश सरावगी, प्रताप प्रकाश हाङगाम, तथा उपेन्द्रप्रसाद घिमिरे मन्त्रीकेरुपमे पद तथा गोपनियनताके शपथ ग्रहण कएनेछथि । बिस्तार र जिम्मेबारी हेरफेरसंगे प्रदेश एकके मन्त्रिपरिषदके मन्त्रीगणके जिम्मेबारी अहि प्रकार अछि ।
राजेन्द्र राई – मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदके कार्यालय
ईन्द्रबहादुर आङ्बो –मन्त्री, आर्थिक मामिला तथा योजना मन्त्रालय
हिमाल कार्की – मन्त्री,सडक पूर्वाधार तथा सहरी विकास मन्त्रालय
केदार कार्की – मन्त्री, आन्तरिक मामिला तथा कानुन मन्त्रालय
जयराम यादव – मन्त्री,स्वास्थ्य मन्त्रालय
रामकुमार राई – मन्त्री, खानेपानी सिँचाइ तथा उर्जा मन्त्रालय
राजन राई – मन्त्री, सामाजिक विकास मन्त्रालय
खिनु लङ्वा लिम्बू – मन्त्री, पर्यटन तथा संस्कृति मन्त्रालय
झलकबहादुर मगर – मन्त्री, कृषि मन्त्रालय
शेखरचन्द्र थापा – मन्त्री, वन वातावरण तथा भू–संरक्षण मन्त्रालय
ओमप्रकाश सरावगी – मन्त्री, भूमि व्यवस्था सहकारी तथा गरिबी निवारण मन्त्रालय
प्रताप प्रकाश हाङ्गाम – मन्त्री, उद्योग श्रम तथा रोजगार मन्त्रालय
उपेन्द्र प्रसाद घिमिरे – मन्त्री, यातायात व्यवस्था तथा सञ्चार मन्त्रालय
विष्णु तुम्बाहाम्फे – राज्यमन्त्री,सामाजिक विकास मन्त्रालय