जहदा । मोरङके जहदा गाउँपालिकामें ऋषिदेव समुदायके कुल देवता बाबा दिना–भद्रीके मन्दिर निर्माण कएलगेल अछि ।
ओहि गाउँपालिकाके वडानम्बर ३ में निर्माण कएलगेल मन्दिरके प्रदेश एकके स्वास्थ्यमन्त्री जयराम यादव आ गाउँपालिका अध्यक्ष जितेन्द्र साह उद्घाटन कएलनि । दिना–भद्रीके ऋषिदेव समुदाय अपन कुल देवताके रुपमें पुजा करैत अछि ।
मन्त्री यादवके संसदीय विकास कोषसँ बिनियोजित ९ लाख आ जहदा ३ नम्बर वडा कार्यालयके ५ लाख सहित १४ लाखके लागतपर मन्दिर निर्माण कएलगेल वडाध्यक्ष अनिलकुमार ठाकुर जानकारी देनेछथि । स्थानिय पंचिदास ऋषिदेवद्वारा दान देलगेल ७ धुर जमिनमें मन्दिर निर्माण कएलगेल ओ जानकारी देनेछथि ।
जहदा–३ में ऋषिदेव समुदायके लगभग ३ सौ घर धुरीके बसोबास अछि । यद्यपि ओहि वडामें अहिसँ पहिने दिना–भद्रीके मन्दिर निर्माण नै भसकल छल । जहदा ३ मात्र नहि सौसे गाउँपालिकामें कंक्रिटसँ निर्माण कएलगेल ई पहिल दिना–भद्री मन्दिर रहल वडाध्यक्ष ठाकुर दाबी कएने छथि ।
ओहि अवसरमें बजैत मन्त्री यादव अपन संस्कृति संरक्षणहेतु ऋषिदेव समुदायके थप सजग होबएके आवश्यकता रहल बतौलनि । ऋषिदेव समुदाय गरिबी आ अशिक्षा लगायतक कारणसँ पाछा भेलासँ बालबच्चाके शिक्षामें ध्यान देबाकचाहि बतौलनि ।
कार्यक्रमके बीच मन्त्री यादव जग्गा दाता पंचिदास ऋषिदेवके दोसल्ला सहित सम्मान कएने छलथि ।