विराटनगर ५ फागुन । संस्थागत विद्यालय बचत तथा ऋण सहकारी संस्था (एसबीएससी) मोरङके आयोजनामें विराटनगरमें ‘एसबीएससी चित्रकला’ प्रतियोगिता होबएजारहल अछि ।

प्रजातन्त्र दिवसके अवसर पर आबबला शनिदिन विराटनगरस्थित पोलस्टार बोर्डिङ स्कूलमें एसबीएससी चित्रकला प्रतियोगिता आयोजना कएलजाएत । विद्यार्थीसबहक प्रतिभा उजागर करबाक उद्देश्यसँ आयोजना कएलजाएबला प्रतियोगितामें मोरङ जिल्लाभरिके १ सौ संस्थागत विद्यालयके १५० सँ बेसी विद्यार्थीसबहक सहभागिता होएत संस्थागत विद्यालय बचत तथा ऋण सहकारी संस्था मोरङके अध्यक्ष मोहन बुढाथोकी जानकारी देनेछथि ।

प्रतियोगितामें प्रथम होबबला विद्यार्थीके ५ हजार, द्धितीयके ३, तृतीयके २ हजार आ सान्तवना स्थान हासिल केनिहार विद्यार्थीके ५ सौ रुपैयाँ प्रदान कएलजाएत अध्यक्ष बुढाथोकी जानकारी देनेछथि । एसबीएससी, प्रत्येक वर्ष प्रजातन्त्र दिवसको अवसरपर चित्रकला प्रतियोगिता करैत आएल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु