मैथिली साहित्यक दिवंगत साहित्यकार रा.ना. सुधाकरक स्मृतिमे विराटनगरमे श्रद्धाञ्जली सभा तथा कथा विमर्श कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल अछि।

सुधाकरक स्मृतिमे मैथिली भाषा सँ जुड़ल विभिन्न ८ टा संस्थाक आयोजनमे श्रद्धाञ्जली सभा आ ‘रा.ना. सुधाकर स्मृति कथा विमर्श’ कार्यक्रम कएल गेल। नेपाल पत्रकार महासंघ मोरङक परिसरमे शनि दिन आयोजित एहि कार्यक्रममे नेपाल तथा भारतक मैथिली कथाकार आ विद्वान सभक सहभागिता छल।

मधेश प्रज्ञा प्रतिष्ठानक अध्यक्ष **रामभरोस कापडि ‘भ्रमर’**क मुख्य आतिथ्यमे भेल एहि कार्यक्रममे सहभागी कथाकार लोकनि सुधाकरजीक लिखल कथा सभक चर्चा-परिचर्चा आ समालोचना कएलनि। एहि अवसर पर बजैत चेतना साहित्य प्रतिष्ठानक अध्यक्ष प्राज्ञ गंगा सुवेदी कहलनि जे मैथिली भाषा साहित्यक उत्थानमे सुधाकरक योगदान महत्वपूर्ण अछि। ओ कहलनि जे देशमे बजल जाए वाला कोनो भी भाषाक साहित्य गोटा देशक सम्पत्ति अछि।

साहित्यकार रोशन जनकपुरी कहलनि जे परम्परागत कथा लिखय वाला समयमे सुधाकरजी सामाजिक संवेदना आ अनुभूतिक कथा सभ लिखने छलाह। मिथिला टाइम्सक अध्यक्ष एवं कार्यक्रम संयोजक रामरिझन यादव कहलनि जे मैथिली कथा साहित्यक संगहि कविता, गीत आ गजल विधामे सेहो सुधाकरक योगदान विशिष्ट अछि। ओ कहलनि जे दिवंगत साहित्यकार सुधाकरजीकेँ २०६९ सालमे विद्यापति पुरस्कार कोष १ लाख राशिक पाण्डुलिपि पुरस्कार देने छल, मुदा ओहिमे सँ आधा राशि अखन धरि नै देल गेल अछि। ओ राशि दियाबय लेल मधेश प्रज्ञा प्रतिष्ठानकेँ पहल करयबाक माँग ओ कएलनि।

एहि अवसर पर भारत सँ आएल मैथिली कथाकार चन्द्रेशप्रदीप बिहारी सेहो कथा साहित्यमे सुधाकरक योगदानक चर्चा कएलनि। विराटनगर-१४ निवासी सुधाकरजीक निधन २०८२ पुस २३ गते भेल छल। हुनकर लिखल सयो कथा आ कविता सभ नेपाल तथा भारतक विभिन्न पत्र-पत्रिकामे प्रकाशित अछि। हुनकर लिखल ‘दीयरि’ कथा त्रिभुवन विश्वविद्यालयक स्नातक तहक मैथिली पाठ्यक्रममे पढ़ाओल जाइत अछि। मिथिलेश्वरी मिडिया प्रा.लि. २०७९ सालमे हुनकर २१ टा कथा समेटि कथा संग्रह ‘दीयरि’ प्रकाशित कएने छल ।

मिथिला टाइम्स, मैथिली सेवा समिति, मैथिली एशोसिएसन नेपाल, मैथिली विकास अभियान, विराट मैथिल नाट्यकला परिषद, आभा फाउन्डेसन, अप्पन विराटगढ परोपकार समाज आ स्वरसंगम संगितालय संयुक्त रूप सँ एहि कार्यक्रमक आयोजन कएने छल।

सम्बन्धित खबरहरु