कटहरी । मोरङके कोच राजवंशी समुदाय कटहरी गाउँपालिकामें सांस्कृतिक हुदुरधुरा जात्रा मनौने अछि ।

राजवंशी संस्कृति संरक्षण तथा विकास केन्द्रके आयोजना तथा राजवंशी समाज विकास समितिके सहयोगमें १५ म संस्करणके हुदुरधुराजात्रा मनाओलगेल अछि । कटहरी गाउँपालिकाके अध्यक्ष देवराज चौधरी,उपाध्यक्ष सीता देवी राजवंशी,प्रदेश एकके पुर्व मन्त्री ज्ञानेश्वर राजवंशी आ आयोजक समितिके सल्लाहकार भीमराज राजवंशी लगायत शान्तिके प्रतिक परवा उडाक जत्राके उद्घाटन कएने छलथि ।

कटहरी ३ स्थित राजवंशी संस्कृति संरक्षण तथा विकास केन्द्रके केन्द्रीय कार्यालय परिसरसँ निकाललगेल जात्राके सहभागि झांकी आ प्ले कार्डसहित गाउँपालिकाके विभिन्न क्षेत्रके परिक्रमा कएने छल । जात्राके सहभागि ‘झापा,मोरङ,सुनसरी बनावी सुन्दर नगरी’ नारा लगबैत कटहरीके विभिन्न क्षेत्रके परिक्रमा कएने छल ।

ओहिसँ पहिने भेल औपचारिक कार्यक्रममें बजैत कटहरी गाउँपालिकाके अध्यक्ष चौधरी कटहरीके भौतिक विकासके साथे सामुदायिक उन्नयनके बिषयसबके प्राथमिकतामें राखिक काज करहल बतौलनि ।

आयोजक संस्थाके सल्लाहकार भीमराज राजवंशी राजवंशी समुदायसंग जुडल सांस्कृतिक आ धार्मिक थानसब कदमाहाके राजा धनपाल थान, डाइनियाके भेरुवाथान, दादरबैरियाके रणकाली थान, डांगिहाटके धनपाल गढी, बुधनगरके राजा विराटके दरबार लगायत क्षेत्रके विकास केनाई जरुरी रहल बतौलनि ।

उक्त क्षेत्रसबके विकास कसकलापर झापा,मोरङ,सुनसरी क्षेत्रके पर्यटन प्रबर्धन होएत आ ताहिस समुदायके आर्थिक आ सामाजिक अवस्थामे सेहो सुधार होएत बतौलनि । कार्यक्रमके सहभागि अन्य वक्तासब झापाके किचकबध, बधा चौधरी थान, रंगीया थान आ सुनसरीके विभिन्न ठामके विकासमें सरकारके ध्यान नैगेल बतौने छल ।

जात्राके क्रममें सांस्कृतिक पहिरण प्रस्तुत करएके साथे हास्यास्पद पहिरणमे कलाकार आ परम्परागत बाद्यवादन सेहो प्रस्तुत कएलजाईत अछि । आयोजक समिति २०६५ साल एम्हर प्रत्येकबर्ष अगहन १५ गते सांस्कृतिक झांकी आ ¥याली सहित हुदुरधुरा जात्राके आयोजना करैत आएल अछि ।

बिगतके २ बर्ष कोरोना महामारीके कारण इ जात्रा स्थगन कएलगेल छल ।

सम्बन्धित खबरहरु