१)
इएह सूर्य
एखन नीक लगैछ
जाड छैक ने ।
२)
जानि ने किए
गति थमिगेल छै
इजोत नै छै ।
३)
टङल छैक
शुलीपर सेहन्ता
हम ठाडे छी ।
४)
नै पढैछ
केओ हमर कृति
किएक लिखू ?
५)
पत्रकारिता !
समाचार नै छैक
पहिनेजकाँ ।
६)
गुलाब फूल
नै खिलखिलाइ छै
सुगन्धहीन ।
७)
जीवन-मूल्य
दाउपर लागल
हारल हम ।
८)
नहि सुनगै
आब गाममे घुर
मोन सुनगै ।
९)
हे महादेव
संहार कs ने दिअ
ई जीजिविषा ।
१०)
यूवा-शोणित
नवसृष्टि आकांक्षा
व्यंग नै छै ई ।
११)
ओ मरि गेलै
अहंकार जीवै छै
फूल झडलै ।
१२)
कहियोकाल
अर्थपूर्ण होइछ
चुप्पीक भाषा ।