–नवीन कर्ण
माघ–६, विराटनगरस्थित रारा बचत तथा ऋण सहकारी संस्था लिमिटेड अपन मुख्य कार्यालय बन्द कक सम्पर्कबिहीन भेलापर निक्षेपकर्तामे आशंका उत्पन्न भेल अछि । रकम भुक्तानी देबलेल बचतकर्ताके बजाक सहकारीद्वारा कार्यालय बन्द कएलापर निक्षेपकर्तासब उक्त सहकारी भागल आशंकामे उजुरीके प्रक्रियामे गेल अछि ।
विराटनगर वडानम्बर ७ स्थित शनिमन्दिर रोडमें कार्यालय रहल रारा बचत तथा ऋण सहकारी संस्था लिमिटेड माघ ८ गते अपन बचतकर्ताके रकम भुक्तानी देबलेल बजएने छल । रकम भुक्तानीके म्याद पहुँचल दर्जनौं बचतकर्ताके रकम फिर्ता देबलेल बजलाएपर ओहि सहकारीके कार्यालय पहुँचल बचतकर्तासबके कार्यालयमें ताला लागल भेटल छल । अहिसँ पहिनहिसँ अपन बचतके रकम लेबलेल ओहि सहकारीके कार्यालयमें दौडधुप करैत आएल बचतकर्तासब बृहस्पतिदिन कार्यालयमें ताला लागल देखलापर आक्रोशित आ आशंकित भेल अछि । बिना सूचना सहकारी बन्द भेटलापर बचतकर्तासबमें अपन लगानी डूबत कि आशंकासँ चिन्तित भेल अछि । सहकारीके कार्यालयमें ताला लागल भेटलापर बचतकर्तासब सहकारी बिरुद्ध उजुरीदेबलेल बृहस्पतिके दुपहरियामें जिल्ला प्रहरी कार्यालय पहुँचल छल ।
विराटनगर ९ के रितेशप्रसाद साह रारा सहकारीमें अपनाद्वारा जमा कएलगेल ३ लाख ९८ हजार रकम म्याचोर्ड भेलोपर सहकारी देब नैचाहिरहल मैथिली अनलाईनके बतौने छथि । डेढ महिना पहिनहिसँ बचतकर्तासबहक रकम भुक्तानी देबमें आनाकानी आ बहन्ना करैत आएल सहकारीके कर्मचारी तथा संचालक ताला बन्दकक सम्पर्कबिहीन भेलापर बचतकर्तासब जिल्ला प्रहरी आ जिल्ला प्रशासन कार्यालय गोहराब पहुँचल अछि । विराटनगर महानगरपालिका आ कटहरी गाउँपालिकाके सयकडौं खुद्रा ब्यापारीसब ओहि सहकारी मार्फत बित्तिय कारोबार करैत आएल निक्षेपकर्तासब बतौने अछि ।
सर्वसाधारण खुद्रा ब्यापारी मात्र नैभक अपाङताके कारण भीख माँगिक जिविकोपार्जन करैत आएल विराटनगर ५ कंचनबारीके मोहम्मद कलिम सेहो ओहि सहकारीमें ११ हजार ८ सय रकम जम्मा कएनेछथि । घरेघर भीख माँगिक जमा कएलगेल रकम लक सहकारी भागल जानकारी भेलापर ओ सेहो अन्य निक्षेपकर्ता सबहकसंग जिल्ला प्रहरी पहुँचल छलैथ । रोगब्याधि आ बृद्धाअवस्थामें काजलागत कहिक पेटकाटिक जमा कएलगेल रकम सहकारीद्वारा अपचलन भेलापर ओ चिन्ता ब्यक्त कएनेछथि ।
सहकारी भागल हल्ला फैललापर मैथिली अनलाईन ओहि सहकारीके अध्यक्ष शेरबहादुर थापा मगरसंग टेलिफोनमें प्रतिक्रिया लेने छल । ओहि क्रममे थापा मगर सहकारी भागल हल्ला निराधार रहल दाबी कएनेछलथि । ओ सहकारीद्वारा प्रवाह कएलगेल ऋण तत्काल नैउठिरहलास बचतकर्ताके रकम घुमाबमें समस्या भरहल बतौलनि । आबबला सोमदिनसँ बचतकर्तासबके रकम फिर्ता देबाक काज शुरु होएत ओ दाबी कएनेछथि ।
कोनो बहानामे बचतकर्ताके रकम फिर्ता करमें आनाकानी तथा देरी केनिहार सहकारीसबके कारवाही कएलजेवाकचाहि वचतकर्तासब बतबैत अछि । सम्बन्धित सहकारी अभियन्ता आ सहकारी संघसबके अहिबिषयमे सहजीकरण करवाक आवश्यकता अछि ।
निक्षेपकर्ताके बचत लक रारा सहकारी सम्पर्कविहीन
