–नवीन कर्ण
विराटनगर,३० बैशाख । कोभिड १९ के उपचारमें सहजताके वातावरण बनाबएके उद्धेश्यक सँग लायन्स क्लब अन्र्तराष्ट्रिय डिस्ट्रिक ३२५ एवान कोशी अस्पताल विराटनगरके अत्याधुनिक मशिन प्रदान कएने अछि ।
लायन्स क्लब, अस्पतालके लगभग ९ लाख मुल्य रहल ‘फाईन केयर थ्री प्लस’ नामक मशिन निशुल्क प्रदान कएने अछि । अस्पताल परिसरमें बृहस्पतिदिन आयोजित कार्यक्रमकेबीच लायन्स क्लब उक्त मशिन अस्पतालके हस्तान्तरण कएने अछि । कार्यक्रमकेबीच लायन्स क्लब अन्र्तराष्ट्रिय डिस्ट्रिक ३२५ एवान के इलेक्ट गर्भनर रेबतबहादुर कार्की आ पुर्व गर्भनर लिलाबहादुर ढुंगेल कोशी अस्पताल विकास समितिके अध्यक्ष महेश भट्टराई आ मेडिकल सुपरीटेण्डेन्ट चुमनलाल दासके उक्त उपकरण हस्तान्तरण कएने छलथि । अस्पतालके प्रदान कएलगेल उक्त मशिनसँ कोभिड परीक्षणके साथे कोभिड भेल विमारके ‘डि डाईमिटर’, ‘पिसिटी’ आ ‘आईएल सिक्स’ लगायतक परीक्षण भसकत । अस्पतालके प्रदान कएलगेल उक्त मशिन प्रदेश १ मे आनलगेल अपन तरहेक पहिल मशिन रहल अछि । काठमाण्डौ सहितके आन ठाँमसबमे अहि प्रकारके थप तीनटा मशिनसब रहल बताओलगेल अछि । जाहिमध्य लायन्स क्लबके अगुवाईमे काठमाण्डौस्थित गंगालाल अस्पतालके सेहो एकटा मशिन अहिस पहिने उपलब्ध कराओलगेल अछि । मशिन हस्तान्तरण कार्यक्रममें बजैत इलेक्ट गर्भनर कार्की लैनचौर काठमाण्डौस्थित बि.एस.आर.बायोटेकके सहयोग आ लायन्स क्लब ३२५ एवानके समन्वयमें उक्त मशिन उपलब्ध कराओलगेल मैथिली न्यूजके बतौनेछथि ।
ओहि अवसरमें बजैत पुर्व गर्भनर ढुंगेल संक्रमणके अवस्था भयावह बनैतगेल बतबैत मानविय सेवामें समर्पित संघसंस्थासब थप सक्रिय होबके आव्हान कएलनि । उपकरण ग्रहण करैत कोशी अस्पताल विकास समितिके अध्यक्ष महेश भट्टराई आ मेडिकल सुपरीटेण्डेन्ट चुमनलाल दास लायन्सद्वारा प्रदान कएलगेल ओहि मशिनसँ कोभिडके बिमारक साथे आन प्रकारक विमारसबके सेहो परीक्षण तथा उपचारमे सहयोग भेटत विश्वास ब्यक्त कएलनि । लायन्स क्लब अस्पतालके मशिन प्रदान करके साथे तेकरा जडान करहेतु दक्ष प्राबिधिक आ परीक्षणकेलेल आवश्यक रिएजेन्टसब सेहो उपलब्ध करौने अछि ।
लायन्सद्वारा कोशी अस्पतालके ९ लाखके मशिन प्रदान