प्रियंका यादव 
समय सँ पहिने जन्म लेबवला नवजात शिशुसबमे होबबला अन्धापनके जोखिम कम करके उद्धेश्यसहित विराटनगर आँखा अस्पताल आरओपी उपचार सेवा शुरु कएलक अछि ।
समय सँ पहिने जन्म लेबबला नवजात शिशुसब मध्य २० प्रतिसतमें आँखिके जटिल समस्या भेटैत अछि आ ताहि समस्याके समयपर उपचार नैकएलापर अधिकांशके नेत्रज्योति गुमके सम्भावना रहैत अछि । एहन खतराके न्युनिकरण करएके उद्धेश्य सहित विराटनगर आँखा अस्पताल रेटिनोप्याथी अफ प्रिम्याचोरिटि (आरओपी) उपचार पद्धति संचालनमे लाएल अछि । विराटनगरमे पुष १३ गते आयोजित एकटा कार्यक्रमकबीच विराटनगर महानगरपालिकाके मेयर भीम पराजुली डिजिटल प्रबिधि सँ अहि उपचार सेवाके उद्घाटन कएलनि । ओहि बिषयमे जानकारी दैत विराटनगर आँखा अस्पतालके रेटिना बिशेषज्ञ डाक्टर ललित अग्रवाल असमय जन्म लेनिहार बहुसंख्यक बच्चासबहक आँखिके दृष्टिपर्दा अर्थात रेटिनामे समस्या भेटैत आएल आ तेकरा समयपर इलाज नैकरएलापर दृष्टि गुमके घटनासब भरहल बतौलनि । ओ शिशुके जन्मभेलाके किछु सप्ताहभितर अहिप्रकारक समस्याके बिषयमा पता लगाएल जासकैत अछि सेहो बतौने छलथि । विराटनगर आँखा अस्पतालके प्रबन्धक कुमार पृथु काठमाण्डू उपत्यका बाहर विराटनगर आँखा अस्पताल पहिलबेर प्रदेश एकके राजधानी विराटनगरमे आरओपी उपचार सेवा संचालनमे आनलक जानकारी देलनि । समय सँ पहिने जन्मलेबबला बच्चासबके एनआईसीयुमे राखके अवस्थाके कारण प्रदेश राजधानी विराटनगरमे रहल विभिन्न एगारहगो अस्पतालकसंग समन्वय कक एनआइसीयु भितरे रोग पत्ता लगाबके हिसाब सँ सेवा संचालन कएलगेल सेहो बतौलनि । अस्पतालक प्रोफेसर डाक्टर संजय सिंह विश्व स्वाथ्य संगठन सेहो बाल अन्धापन निवारणके  प्राथमिकतामे रखैत आएल सन्दर्भमे आरओपी उपचारसेवा संचालनमे आनलगेल बतौने छलथि । अस्पतालक ब्यवस्थापन समिति अध्यक्ष पदम नारायण चौधरी दातृ निकायसबहक सहयोग सँ उक्त उपचार सेवा निशुल्करुपमे संचालनमे आनलगेल बतौनेछलथि । आरओपीके बिषयमे समाजमे जनचेतनाक कमी रहल कहैत ओ ताहि बिषयमें समाजके सचेत कराबके आवश्यकता रहल बतौने छलथि । विराटनगर महानगरपालिकाके मेयर पराजुली आरओपी सेवाके आओर प्रभावकारी बनएबाहेतु आवश्यक सब प्रकारक सहयोग उपलब्ध कराबलेल महानगर प्रतिबद्ध रहल बतौने छलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु