विराटनगर, २१ माघ । प्रदेश एकमें पछिला २४ घण्टामे ३३७ गोटेमें कोरोना संक्रमणभेल पता लागल अछि । ७२४ गोटेके पीसीआर परीक्षण कएलापर २२१ आ ४९४ गोटेके एन्टिजेन परीक्षण कएलापर ११६ गोटेमें संक्रमण पता लागल सामाजिक विकास मन्त्रालय जानकारी देने अछि ।

मन्त्रालयके अनुसार पीसीआर परीक्षणके आधारमे मोरङमे ११०, सुनसरीमें ४९, झापामें ३१, उदयपुरमें ७, धनकुटामें २, संखुवासभा, पाँचथर, भोजपुर आ खोटाङमें १–१ आ प्रदेश १ बाहरके १८ गोटेमें संक्रमण पुष्टि भेल अछि । तहिना मोरङके विराटनगरमें ७५, सुन्दरहरैचामें ८, बुढीगंगामें ५, उर्लाबारीमें ४, पथरीशनिश्चरे, बेलबारी आ रतुवामाईमें ३–३, लेटाङ, कानेपोखरी आ स्थानीयतह उल्लेख नैरहल २–२, मिक्लाजुङ, सुनबर्षी आ केराबारीमें १–१ गोटेमें कोरोना संक्रमण पता लागल अछि ।

तहिना सुनसरीके इटहरीमें १६, धरानमें १२, रामधुनीमें ४, इनरुवा, बराहक्षेत्र, बर्जु आ दुहवीमें ३–३, हरिनगर, गढी आ देवानगञ्जमें १–१ आ स्थानीय तह पता नैलागल २ गोटे एवम झापाके भद्रपुरमे ५, अर्जुनधारामे ४, बाहृदशी, विर्तामोड, दमक, मेचीनगर आ कमल गामपालिकामे ३–३, शिवसताक्षी आ कनकाईमें २–२, कचनकवल, गौरादह आ झापा गाउँपालिकामें १–१ गोटेमें संक्रमण पता लागल अछि ।

उदयपुरके चौदण्डीगढीमें २, कटारी, त्रियुगा, उदयपुरगढी, बेलका आ स्थानीय तह नैखुलल १–१, धनकुटाके धनकुटा नगरपालिका आ महालक्ष्मीमें २–२, संखुवासभाके खाँदबारी, पाँचथरके फिदिम, भोजपुरके हतुवागढी आ खोटाङके दिप्रुङमें १–१ आ प्रदेश १ बाहरके १८ गोटेमें संक्रमण देखाएल मन्त्रालय जानकारी देने अछि ।
प्रदेश १ में माघ २१ गते ८४६ गोटे कोरोना संक्रमणमुक्त भेल अछि ।

बितल २४ घण्टामें कोरोना संक्रमणसँ ३ गोटेके मृत्यु भेल अछि । मृत्यु भेलमें १ महिला आ २ गोटे पुरुष रहल अछि । प्रदेशमें सक्रिय संक्रमितके संख्या ४ हजार ७७ रहल सामाजिक विकास मन्त्रालय जानकारी देने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु