विराटनगर, २० माघ । प्रदेश १ में पछिला २४ घण्टामा २ सौ ६८ गोटेमें कोरोना संक्रमण भेल अछि । ३ सौ ५४ गोटेके पिसिआर परीक्षण कएलापर १ सौ ३१ आ ५ सौ ५७ गोटेके एन्टिजेन परीक्षण कएलापर १ सौ ३७ गोटेमें कोरोना संक्रमण देखाएल सामाजिक विकास मन्त्रालय जानकारी देने अछि ।

मन्त्रालयके अनुसार पिसिआर परीक्षणके आधारमे मोरङमें ५३, झापामें ३७, सुनसरीमें १८, इलाम आ उदयपुरमें २–२, ताप्लेजुङ, सोलुखुम्वु, संखुवासभा, तेहृथुम आ खोटाङमें १–१ आ प्रदेश १ बाहरके १४ गोटेमें संक्रमण देखाएल अछि । मोरङके विराटनगरमें २७, बेलबारीमें ६, पथरीशनिश्चरे, उर्लाबारी आ सुन्दरहरैचामें ५–५, रतुवामाईमें २, कानेपोखरी, सुनबर्षी आ ग्रामथानमें १–१, झापाके विर्तामोडमें ८, दमकमें ७, कनकाईमें ५, मेचीनगरमें ४, अर्जुनधारा, हल्दिबारी, बुद्धशान्ति, बाहृदशी आ कमल गाउँपालिकामें २, गौरीगञ्ज, भद्रपुर आ झापा गाउँपालिकामें १ गोटेमें कोरोना संक्रमण देखाएल अछि ।

तहिना सुनसरीके इटहरीमें ११, बराहक्षेत्रमें २, धरान, बर्जु, गढी, देवानगञ्ज आ कोशी गाउँपालिकामें १–१, इलामके इलाम नगरपालिका आ सुर्योदयमें १–१, उदयपुरके चौदण्डीगढी आ त्रियुगामें १–१ गोटेमें कोरोना संक्रमण देखाएल मन्त्रालय जानकारी देने अछि । तहिना ताप्लेजुङके फुङलिङ, सोलुखुम्वके सोलुदुधकुण्ड, संखुवासभाके खाँदबारी, तेहृथुमके मेन्छेयायेम आ खोटाङके केपिलसगढीमें १–१ आ प्रदेश १ बाहरके १४ गोटेमें संक्रमण देखाएल मन्त्रालय जानकारी देने अछि ।

प्रदेश १ में माघ २० गते ४ सौ २६ गोटे कोरोना संक्रमणमुक्त भेल अछि । संक्रमणमुक्त भेलसबमें १ सौ ९९ महिला आ २ सौ २७ पुरुष रहल अछि । पछिला २४ घण्टामें कोरोना संक्रमणसँ २ गोटेके मृत्यु भेल अछि । मृत्यु भेल दुगोटेमें एक महिला आ एकगोटे पुरुष रहल अछि ।

प्रदेश १ में सक्रिय संक्रमितके संख्या ४ हजार ७ सौ ५ रहल सामाजिक विकास मन्त्रालय जानकारी देने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु