मोटरसाईकल चोरीमें संलग्न रहल २ भारतीय सहित ३ गोटे विराटनगरसँ पकरलगेल अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङके टोली मोटरसाईकल चोरीमें संलग्न ३ गोटे के विराटनगर ७ सँ पक्राउ कएने अछि । पकरलगेल ब्यक्तीसबमें भारत,अररिया लक्ष्मीपुरके २५ बर्षिय सुशिलकुमार यादव, भारत पोसदाह पंचायतके २५ बर्षिय शौरभकुमार यादव आ सुनसरी देवानगञ्ज गाउँपालिका–३ के १८ बर्षिय राजकुमार यादव रहल अछि ।
बितल फाल्गुन १० गते विराटनगर ७ के सडक कातमे पार्किङ कक राखलगेल को २५ प १९४५ नम्बर मोटरसाईकिल चोरी कक ओहिमें भारतके नम्बर प्लेट लगाक चलारहल अवस्थामे तथा कागजपत्र नहि रहल भारतीय नम्बर प्लेटके २ टा मोटरसाईकल ओकर सबके साथसँ बरामद कएलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय जानकारि देने अछि ।
पक्राउ परलसबके जिल्ला अदालतसँ म्याद थप कक चोरी कसुरमे अनुसन्धान शुरु कएलगेल कोशी प्रदेश प्रहरी कार्यालय विराटनगर जानकारि देने अछि ।