विराटनगर । भन्सार एजेन्ट महासंघ नेपाल सुनसरी भन्सार कार्यालयमें सेलेक्टिभ मोड्युल प्रणाली लागु करएके माग कएने अछि ।

सुनसरी भन्सार कार्यालयमें एखनोधरि नयाँ भन्सार ऐन अनुसार छनौट प्रणालीके आधारमें मालबस्तु जाँचपास प्रयोजनहेतु उक्त मोडल लागु नैभेलास उक्त प्रणाली लागु कक एजेन्ट मार्फत भन्सार जाँचपासके ब्यवस्था करएलेल महासंघ माग कएने अछि । महासंघ उक्त माग सहित सुनसरी भन्सार कार्यालयके ज्ञापनपत्र सेहो सौंपने अछि ।

भन्सार एजेन्ट महासंघक प्रथम उपाध्यक्ष तथा संघसंस्था समन्वय समितिके संयोजक काँशीराज उपाध्याय विराटनगर भन्सार एजेन्ट संघके तर्फस सुनसरी भन्सार कार्यालयके ज्ञापनपत्र हस्तान्तरण कएलनि । सुनसरी भन्सार कार्यालयके निमित्त प्रमुख गणपति कँडेलके ज्ञापनपत्र हस्तान्तरण कएलगेल अछि ।

पुस १८ गते सौंपलगेल ज्ञापनपत्रमें भन्सार एजेन्टके ईजाजत पत्र प्राप्त कक जाँचपास प्रक्रियामें सहभागि होबलेल भन्सार कार्यालय पहुँचएबला अधिकांश एजेन्टसबके काज नै भेटरहल सम्बन्धमें सेहो भन्सार कार्यालयके ध्यानाकर्षण कराएलगेल अछि । महासंघ भन्सार बिभाग त्रिपुरेश्वरके सेहो ज्ञापनपत्रके बोधार्थ पठएने अछि ।

आबबला जनवरी २६ अर्थात ७१ म भन्सार दिवसके अवसरमें सुनसरी लगायत आन भन्सार कार्यासबमें सेहो एजेन्ट मार्फत जाँचपासके ब्यवस्थाके बिषयमें सकारात्मक आश्वासन प्राप्त भेल महासंघ जानकारी देने अछि । अहिबीच महासंघ नयाँ शाखा बिस्तार करैत सुनसरी भन्सार एजेन्ट संघ गठन कएने अछि ।

पप्पुु गुप्ताके अध्यक्षतामें ७ सदस्यिय सुनसरी भन्सार एजेन्ट संघ गठन कएलगेल अछि । नवगठित संघके उपाध्यक्ष सिताराम सापकोटा,सचिव मम्ताज राईन, कोषाध्यक्ष सुनिल कुमार लाभ तथा सदस्यमें सन्तोषानन्द चौधरी, दिपक चौधरी आ पृथ्वी राज साह रहल छथि ।

संघ सुनसरी भन्सारमें कार्यालय स्थापनाके निर्णय सेहो कएलक अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु