विराटनगर । ज्येष्ठ नागरीकके हक–अधिकार सम्बन्धि ऐन,कानुनमें भेल ब्यवस्थाके प्रभावकारीरुपमें कार्यान्वयन कराबएहेतु सरकारके सौंपलगेल अछि ।

नेपाल ग्रामीण विकास समाज केन्द्र (एनआरडीएससी) आ १ नम्बर प्रदेश ज्येष्ठ नागरीक महासंघ संयुक्त रुपमें सरकारके ज्ञापनपत्र सौंपने अछि । जिल्ला प्रशासन कार्यालय मोरङ मार्फत सरकारके ज्ञापनपत्र पठाओलगेल । नेपाल ग्रामीण विकास समाज केन्द्रक अध्यक्ष मणिकुमार अज्र्याल मोरङक साहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रदीप गुप्ताके सरकारकें सौंपलजाएबला ज्ञापनपत्र हस्तान्तरण कएलनि ।

प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद् कार्यालयके सम्बोधन कक पठाएलगेल ज्ञापनपत्रमें ज्येष्ठ नागरीकके हक–अधिकार सम्बन्धि विभिन्न ११ टा बुँदा समेटलगेल अछि । ज्ञापन पत्रके पहिल बुँदामें सार्वजनिक सवारी साधनमें परिचयपत्रके आधारमें ५० प्रतिशत छुट देबाक ब्यवस्था भेलोपर ब्यवहारिक रुपमें कार्यान्वयन नैभेलास अनिवार्यरुपमें लागू करएके माग कएलगेल अछि ।

तहिना स्वास्थ्य उपचारमें ५० प्रतिशत छुटके ब्यवस्था सब अस्पतालमें लागु करएके,सामाजिक सुरक्षा भत्ताके समय सापेक्ष बृद्र्धि,ज्येष्ठ नागरीक सम्बन्धि तथ्यांक अद्यावधिक करएके आ सार्वजनिक निकायसबमें हेल्प डेस्क संचालन कक ज्येष्ठ नागरीकके सहजीकरणके ब्यवस्था करए लगायतक अन्य माग कएलगेल अछि । राष्ट्रिय ज्येष्ठ नागरीक दिवसके सन्दर्भ पर सरकारके ध्यानाकर्षण सहित ज्ञापनपत्र सौंपलगेल नेपाल ग्रामीण विकास समाज केन्द्रक अध्यक्ष अज्र्याल बतौनेछथि ।

ज्ञापनपत्र हस्तान्तरण कार्यक्रममें १ नम्बर प्रदेश ज्येष्ठ नागरीक महासंघके महासचिव यज्ञेश्वर निरौला,एनजीओ फेडरेशन मोरङ अध्यक्ष बिष्णु शर्मा,उपभोक्ताबादी कृष्णप्रसाद भण्डारी ‘मार्शेली’ आ ज्येष्ठ नागरीक दिवा सेवा केन्द्रके हरि प्रसाद भट्टराई लगायतक सहभागिता छल ।

सम्बन्धित खबरहरु