विराटनगर । पुर्व निर्धारित मिति अनुसार आई (रबिदिन) देशभरि प्रतिनिधि सभा आ प्रदेश सभाके निर्वाचन भरहल अछि ।

निर्वाचन आयोगद्वारा निश्चित कएलगेल तालिका अनुसार आइ भोर ७ बजेस मतदान शुरु भेल अछि जे साँझ ५ बजेधरि जारी रहत । किछु जिल्ला सबमें सामान्य छिटफुट घटना बाहेक देशभरिमें उत्साहजनक रुपमें मतदान भरहल अछि ।

निर्वाचनके भयरहित आ निश्पक्षरुपमें सम्पन्न करएलेल देशक सब सुरक्षाके अंग परिचालन कएलगेल अछि ।
मोरङमें प्रतिनिध सभाके ६ टा आ प्रदेश सभाके १२ टा क्षेत्र अछि । अहिठाम ७ लाख ३५ हजार ५२५ मतदाता अछि ।

जाहिमें ३ लाख ७४ हजार ३२६ पुरुष आ ३ लाख ६१ हजार ३९३ महिला मतदाता अछि । स्थानिय निर्वाचन पश्चात अहिबेर मोरङमें २० हजार ३०२ गोटे नया मतदाता थप भेल अछि । मतदान सम्पन्न भेलाके तीन दिनभितर प्रत्यक्ष दिसके मत परिणाम सार्वजनिक कएलजाएत निर्वाचन आयोग जानकारी देने अछि ।

मोरङके ६ टा क्षेत्रमध्ये क्षेत्रनम्बर ४,५ आ ६ नम्बरके क्षेत्रके मतगणना विराटनगरमें होएत । विराटनगरके आदर्श माध्यमिक विद्यालयमें गणना होएत जेकर सम्पुर्ण तयारी पुरा भचुकल निर्वाचन कार्यालय जानकारी देने अछि ।

देशभरिमें कुल १ करोड ७९ लाख ८८ हजार ५७० गोटे मतदाता रहल अछि । अहिबेरके प्रत्यक्ष तथा समानुपातिक समेत कक ५ हजार ६ सौ स बेसी उम्मेदवार चूनाबी मैदानमें अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु