विराटनगर । आगामी निर्वाचनके लक्षित कक विराटनगरमें प्रदेशस्तरीय सुरक्षा गोष्ठी सम्पन्न भेल अछि ।

गृह मन्त्रालय तथा आन्तरिक मामिला तथा कानुन मन्त्रालय प्रदेश एकके आयोजनामे भेल गोष्ठिमें प्रदेश १ का १४ जिल्लाके प्रमुख जिल्ला अधिकारी तथा सुरक्षा निकायक प्रमुखसबके सहभागिता रहल छल । गोष्ठीके उद्घाटन करैत आन्तरिक मामिला तथा कानुन मन्त्री केदार कार्की अगहन ४ गते होबलागल निर्वाचन निश्पक्ष, स्वतन्त्र एंव भयरहित वातावरणमें सम्पन्न करएलेल सरकार प्रतिवद्ध रहल बतौलनि ।

शान्ती सुरक्षाहेतु संवाद सेहो महत्वपुर्ण बिषय रहलास निर्वाचनमे कोनो समस्या अएलापर संवाद आ छलफल एवम स्थानियसंग समन्वय कक समाधान निकाल हेतु सुरक्षा प्रमुखसबके ओ सुझाव देने छलथि । गृह मन्त्रालयके प्रवक्ता एवं सुरक्षा तथा समन्वय माहाशाखा प्रमुख फणिन्द्रमणी पोखरेल आगामी निर्वाचनकेलेल सुरक्षा निकायके तैयारी अन्तिम चरणमें रहल बतौलनि ।

निर्वाचनमें सुरक्षाहेतु देशभरि म्यादी प्रहरी सहित २ लाख ५८ हजार ५ सौ ७९ सुरक्षाकर्मी परिचालन होएत बतौलनि । गोष्ठीमें गृह मन्त्रालयके सचिव विनोद प्रकाश सिंह, प्रहरी महानिरिक्षक धिरजप्रताप सिंह,सशत्र प्रहरी महानिरिक्षक राजु आर्याल, राष्ट्रिय अनुसन्धान विभागक मुख्य निर्देशक हुतराज थापा तथा नेपाली सेनाके बालाधिकृत सरोज प्रताप राणा लगायतक सहभागिता छल ।

सम्बन्धित खबरहरु