–माला मिश्रा
विराटनगर २३ पुस–मैथिली भाषाके संरक्षण एवं संबर्धनके उद्धेश्यसहित विराटनगरमे गोष्ठी सम्पन्न भेल अछि । मैथिली सेवा समिति के तत्वावधान में स्थानिय रामजानकी मन्दिर धर्मशालामें कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि ।
आयोजक समितिके उपाध्यक्ष एवं कार्यक्रम संयोजक डाक्टर योगेन्द्रप्रसाद यादवके अध्यक्षतामें कार्यक्रम आयोजन कएलगेल । मंचके संचालन समितिके महासचिव बिपुलेंद्र झा कएने छलथि । अपन मनतब्य रखैत डाक्टर यादव नेपालमें नेपालीके बाद सबसँ बेसी बाजलजाएवला भाषा मैथिली रहल कहैत मैथिलीके पाछा करके षड्यण्त्र रचल जारहल दाबी कएलनि । मैथिल समाजके लोकसबके सचेत करवैत ओ आगामी दिनमें होमजारहल राष्ट्रीय जनगणना २०२१ में अहिसँ पूर्व भेल गलती सबके सुधारलेल अपील कएने छलथि ।
मैथिली सेवा समिति के अध्यक्ष डाक्टर एसएन झा मैथिल ब्राह्मण महासभा युवा समितिद्वारा चलाएलजारहल अभियानके सराहना करैत ओकरा निरंतरता देबाकलेल आग्रह कएलनि । ओ मैथिल समाजके सब समुदायक लोकसबके अपन मातृभाषा प्रति सचेत रहके आग्रह सेहो कएने छलथि ।
कार्यक्रममे मैथिली सेवा समिति के संस्थापक अध्यक्ष डाक्टर एसएन मिश्रा, मैथिली अनलाईनके प्रबंध निर्देशक पंकज वर्मा, मैथिली जिन्दाबादके प्रधान सम्पादक प्रवीणनारायण चौधरी, फूल कुमार देव,उत्तम पासवान, राजेश कुमार भूजेल, कर्ण संजय,शिवनारायण पण्डित, निरा भगत, अरविंद मेहता, बैजू कुमार यादव, इमाम हैदर, मोहम्मद तकिर राजा, विष्णु कुमार कामत, दिलीप कुमार लाल, बिमला पोद्दार, वसुंधरा झा, आभा अनुपमा, जय प्रकाश महतो, कुमुद मोहन झा, सुनीता ठाकुर, प्रीति झा, मनोज कुमार मिश्र, प्रशांत ठाकुर, चंद्रकांत ठाकुर, बिपिन झा, निरा भगत, राधा मंडल, राजेश झा, शिवनारायण पंण्डित, संतोष झा, विनोद झा, मनोज मिश्र सेहो अपन–अपन सुझाव आ बिचार रखने छलथि ।