जहदा । मोरङके जहदा गाउँपलिकामें दोसर संस्करणके जहदाकप फुटबल प्रतियोगिता शुरु भेल अछि ।

जहदा ३ के जयरामपुरमें सुरु भेल प्रतियोगिताके जहदा ३ के वडाध्यक्ष अनिल कुमार ठाकुर उदघाटन कएलनि । जहदा युवा क्लबके आयोजना आ जहदा ३ नम्बर वडा कार्यालयके सहयोगमें प्रतियोगिता शुरु भेल अछि ।

प्रतियोगितामें आयोजक क्लब सहित पालिका भितरके विभिन्न आठटा टिमके सहभागिता रहल अयोजक क्लबके अध्यक्ष गणेश कुमार कामत जानकारी देनेछथि ।

छैठ पश्चात आयोजना होबएबला फाइनल प्रतियोगितामें बिजयी होबएबलाके नगद ३० हजार आ उपबिजेताके नगद २० हजार तथा सिल्ड प्रदान कएलजाएत आयोजक क्लब जानकारी देने अछि ।

स्थानिय खेलाडीसबके दक्षता आ हौसला अबिबृद्धि करएहेतु प्रतियोगिता आयोजन कएलगेल वडाध्यक्ष ठाकुर बतौनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु