विराटनगर । चाटर्ड एकाउण्टेन्सीके अध्यापन करएनिहार विराटनगरस्थित प्रदेश एकके पहिल आ एकमात्र मेरील्याण्ड करियर एकेडमी राष्ट्रियस्तरमें सफलता हासिल केनिहार अपन विद्यार्थीके सम्मान कएने अछि ।

ओहि कलेजमें अध्ययन कक सीएके सम्पुर्ण तह पार करैत लाईसेन्स सेहो हासिल करएमें सफल सीए युवराज उप्रेती आ सीए बैशाली ठाकुरके सम्मान कएलगेल अछि । अहिसँ पहिने अध्ययनके क्रममें क्याप टू में देशभरिमें दोसर स्थान हासिल करैत सिल्भर मेडल प्राप्त करएमें सफल सीए उप्रेती आ ठाकुरके सम्मान कएलगेल अछि । कलेजद्वारा आयोजना कएलगेल शुभकामना आदान–प्रदान कार्यक्रमकबीच चार्टड एकाउण्टेन्ट उप्रेती आ ठाकुरके सम्मान कएलगेल अछि ।

ओहि अवसरमें कलेजमें अध्यापन करबैत आएल १७ गोटे प्राध्यापकसबके सेहो सम्मान कएलगेल छल । विक्रम सम्बत २०५३ सालसँ नेपालमें पहिलबेर सीए कोर्षके पठनपाठन शुरु भेलामें मेरील्याण्ड करियर एकेडमी २०७२ सालसँ काठमाण्डू बाहर पहिलबेर विराटनगरमें अहि कोर्षके शुरुआत कएने छल ।

विराटनगरमें एकेडमी संचालन भेलापर सीए कोर्षहेतु विदेश तथा राजधानी जाएके बाध्यता अन्त भेल ब्यवस्थापन समितिके अध्यक्ष मोहन सुवेदी बतौनेछथि । हाल एकेडमीमें पुर्वके ताप्लेजुङ,पाँचथर,इलामसँ पश्चिममें धनुषा,महोत्तरी लगायत २० जिल्लाके विद्यार्थीसब अध्ययनहेतु आबिरहल बतबैत ओ हाल २५० गोटे विद्यार्थीसब अध्ययनरत रहल जानकारी देलनि ।

नेपालमें ब्यवसायिक क्षेत्रमें चार्टड एकाउण्टेन्टके मांगके तुलनामें उपलब्धता एकदम कम अछि । हाल नेपालमें १ हजार ५ सय सीए कार्यरत रहलामें बजारके मांग ५ हजारसँ बेसी रहल बताओलगेल अछि । ताहुपर पुर्णरुपमें एनएफआरएस लागु भेलापश्चात सीएके माग आओर बढिक १५ हजारके संख्या होएत ।

कार्यक्रममें सीए अश्विनी बंसल,कलेजक उपाध्यक्ष गुणराज ढुंगेल,सदस्य सचिव किञ्जल पोखरेल,सदस्य प्रा.डा.जिवन कुमार ढकाल आ बरिष्ठ अधिवक्ता रुपेश कोईराला लगायतके सहभागिता छल ।

सम्बन्धित खबरहरु