विराटनगर । पुर्व प्रधानमन्त्री एवम नेकपा एमाले अध्यक्ष केपी शर्मा ओलीके प्रमुख आतिथ्यमें विराटनगरमें जितिया पर्व समारोह आयोजन होमए जारहल अछि ।
अप्पन विराटगढ परोपकार समाजक आयोजनामें भादो २५ गते स्थानिय महेन्द्रमोरङ आदर्श बहुमुखी क्याम्पसमें भब्य समारोह आयोजन होमए जारहल अछि । कार्यक्रममें चनमाक अध्यक्ष श्रमिति बिभा झा सहित मिथिला आ मैथिलीक चर्चित हस्ती सबहक सहभागिता रहत ।
जितिया सन्तानक दीर्घायूकलेल मनाएलजाएबला मिथिलाक महान पाबनि रहलासँ अहि संस्कृतिके संरक्षण तथा पर्बधनकलेल जितिया पर्व समारोह २०७९ आयोजन कएलजारहल अप्पन विराटगढ परोपकार समाजक अध्यक्ष बसुन्धरा झा जानकारी बतौने छथि ।
मैथिली भाषासंस्कृति संरक्षण तथा प्रबर्धनकलेल अप्पन विराटगढ बितल ११ बर्षस जितिया पर्व समारोह सहित आन विविध सांस्कृतिक कार्यक्रमसब आयोजन करैत आएल सदस्य राजेश झा जानकारी देने छथि । अहिब बेरक कार्यक्रममें जितिया पाबनिके महत्वके बिषयमें चर्चा परिचर्चाके साथे मैथिलीक पारम्परिक गीत तथा नृत्य सब सेहो प्रस्तुत कएलजाएत ।
आसिन २ गते अहिबेरक जितिया पाबनि मनाओलजाएत । जितिया पर्व समारोह २०७९ क मिडिया पार्टनर मैथिली अनलाईन रहल अछि ।