विराटनगर । मोरङ जिल्लास्तरीय प्याब्सन लोक नृत्य प्रतियोगितामें सुन्दरहरैचाके सिद्धार्थ सेकेण्डरी,बालप्रतिभा आ ईन्द्रपुर नमूना स्कुल प्रथम स्थान हासिल कएने अछि ।

विराटनगरमें बृहस्पतिके राति सम्पन्नभेल फाईनल प्रतिस्पर्धामें सिनियर लेबलदिस सुन्दर हरैंचाके सिद्धार्थ सेकेण्डरी प्रथम स्थान हासिल कएने अछि तथा जुनियरतर्फ सुुन्दर हरैंचाके बालप्रतिभा आ ईन्द्रपुर नमूना स्कुल प्रथम स्थान हासिल कएने अछि । बालप्रतिभा आ ईन्द्रपुर नमूना स्कुलके समान अंक भेलासँ टाईअप भेलापर जुनियरदिस दूटा विद्यालयके प्रथम घोषणा कएलगेल आयोजक समिति जानकारी देने अछि ।

तहिना सिनियरदिस सुन्दरहरैंचाके ब्राईट फ्यूचर स्कुल दोसर आ पथरीके एभरेष्ट उच्च माध्यमिक विद्यालय तेसर स्थान हासिल कएने अछि । बेलबारीके शिक्षा संदेश आ सनसाईन स्कुल सिनियरदिस सान्त्वना स्थान हासिल कएने अछि । तहिना जुनियरदिस उर्लाबारीके भृकुटी मोडल स्कुल दोेसर आ बेलबारीके आदर्श स्कुल तेसर स्थान हासिल कएने अछि ।

जुनियरदिस ईस्टर्न भ्यू बेलबारी आ सुन्दर हरैंचाके स्कलर्स होम तथा सिद्धार्थ उच्च मावि सान्त्वना स्थान हासिल कएने अछि । बिजयी विद्यालयसबके सिनियर आ जुनियर दुनू क्याटोगरिमे प्रथम,दोेसर आ तेसर भेल सबके नगद १५ हजार,१० हजार आ ५ हजार सहित ट्रफि तथा प्रमाणपत्र प्रदान कएलगेल छल ।

तहिना सान्त्वना स्थान केनिहारके ट्रफी तथा प्रमाणपत्र प्रदान कएलगेल छल । प्रतियोगितामें मोरङके ५९ विद्यालयके विद्यार्थीसब विभिन्न समुदायके मौलिक लोकनृत्य प्रस्तुत कएलक प्याब्सन मोरङके कोषाध्यक्ष बिष्णु डंगोल जानकारी देनेछथि ।

प्रतियोगितामें सहभागि कक्षा ९ सँ १२ धरिके सिनियर आ ८ धरिके विद्यार्थीके जुनियर लेबलमें प्रतिस्पर्धा कराएलगेल छल । प्याब्सन मोरङ २०६२ सालसँ लोकनृत्य प्रतियोगिता आयोजना करैत आएल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु