विराटनगर । थारु आइकन सिजन थ्री में सहभागि प्रतिस्पर्धिहेतु बिराटनगरमें अभिमुखिकरण कार्यक्रम कएलगेल अछि ।

थारु कला केन्द्रके आयोजनामें सम्पन्न होबलागल मिस्टर एण्ड मिस थारु आइकन २०२२ के प्रतिस्पर्धिके सहभागी कराक अभिमुखिकरण आयोजन कएलगेल अछि । बिराटनगरस्थित एकटा निजि होटेलमें आयोजन कएलगेल कार्यक्रममें थारु समाजके अगुवा आ विभिन्न पार्टीसँ नेतृत्व केनिहार जनप्रतिनिधिसब थारु संस्कृति आ पहचानके महत्वके बिषयमें बजने छलथि ।

थारु कल्याणकारिणी सभाके मोरङ अध्यक्ष प्रदिप भगत थारु समुदायके भाषा,संस्कृति संकटमें रहलासँ एकर संरक्षण करएलेल चौतर्फी पहल आवश्यक रहल बतौलनि । समुुदायभितर सांस्कृतिक,भाषिक आ राजनीतिक चेतना जगासकलापर मात्र मौलिक थारु संस्कृतिके संरक्षण होएत बतबैत ओ अहिलेल बिशेष कक युवासबके दायित्वबोध करबाकचाहि बतौलनि ।

थारु कला केन्द्रके कानुनी सल्लाहकार मधुसूदन चौधरी थारु आइकनके बिजयिसबके जातिय परिधीमें मात्र सिमित नैरहि देश आ बिदेशके प्रतियोगितामें सहभागी होबएके हिसाबसँ अपन क्षमता बिकाश करवाकचाहि बतौलनि । केन्द्रके उपाध्यक्ष प्रशान्त चौधरी भाषासंस्कृति बँचाबलेल युवासबहक भुमिका महत्वपुर्ण भेलासँ समय सापेक्ष कार्यक्रमसबके निरन्तरता देबाकचाहि बतौलनि ।

सल्लाहकार सुचि चौधरी थारु आईकनमें सहभागि होब आएल युवायुवतीसबके प्रशिक्षणके अवधिमें भेटएबला ज्ञानके ब्यवहारमें उतारएहेतु आग्रह कएलनि । मिस्टर एन्ड मिस थारु आइकन २०२२ के फाईनल प्रतियोगिता आसिन १६ गते विराटनगरमें होएत बताओलगेल अछि । प्रतियोगिताके अडिसनसँ ४५ गोटे युवायुवतीसब छनौट भचुकल अछि । छनौट भेल प्रतिस्पर्धिके सहभागि कराक भादो १२ गतेसँ एकमहिनाके प्रशिक्षण कार्यक्रम कएलजाएत थारु कला केन्द्रके अध्यक्ष विश्वनारायण चौधरी जानकारी देनेछथि ।

प्रतियोगिताके बिजयी युवायुवतीके उपाधि सहित ५०÷५० हजार नगद आ दुबई भ्रमणके टिकट पुरस्कार देलजाएते आयोजक समिति जानकारी देने अछि । तहिना अन्य विधाके बिजयीके सेहो नगद सहित पुरस्कृत कएलजाएत बताओलगेल अछि ।

कटहरी गाउँपालिकाके अध्यक्ष देवराज चौधरीके प्रमुख आतिथ्यमें कार्यक्रम आयोजन कएलगेल छल ।

सम्बन्धित खबरहरु