विराटनगर । लायन्स क्लब अफ बिराटनगर इनभिजनके पद हस्तान्तरण तथा ग्रहण कार्यक्रम सम्पन भेल अछि ।
बिराटनगरस्थित श्रीकृष्ण होटेलमें ओहि क्लबके कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि ।

कार्यक्रमक बीच इनभिजनके बर्ष २०२१-२२ के प्रेसीडेण्ट अन्जना कट्टेल सुवेदी बर्ष २०२२-२३ केलेल नवनिर्वाचित प्रसिडेण्ट सबिता ओझा सुवेदीके पद हस्तान्तरण कएलनि । निवर्तमान प्रेसिडेण्ट कट्टेल ओझाके लायन्सके पिन, मेडल आ बहीखाता हस्तान्तरण करैत पद हस्तान्तरण कएलनि ।

कर्यक्रमकबिच आयोजक क्लबके सचिब सृष्टि चापागाईं बितल कर्यकालके प्रतिबेदन प्रस्तुत कएलनि । ओ बितल कर्यकालमें समाज सेवा तथा मानवीय सेवाके महत्वपूर्ण कार्यसब करएलेल सफल भेल बतौलनि । चापागाईं बितल कार्यकालके किछु महत्वपूर्ण काजसब मध्य धनकुटाके चन्चला देवी निम्न माध्यमिक विद्यालयमें अध्यनरत सौगेटे विद्यार्थीके जुत्ता, बैग आ शैक्षिक सामग्री वितरण कएलगेल बतौलनि ।

बितल बर्ष आएल बाढिमें पीडित भेल बिराटनगरस्थित रामपुरके प्रभावित ६० परिवारके खाद्यान्न वितरण कएलगेल बतौलनि । तहिना रक्तदान, सेनेटरी प्याड वितरण आ ज्येष्ठ नागरिकके भोजन लगायतक महत्वपुर्ण काजसब कएलगेल ओ जानकारी देलनि ।

ओहि अबसरमें बजैत निर्वतमान प्रेसिडेण्ट सुबेदी स्वयम बिगत ५ बर्ष पहिनहिसँ लायन्समें आबद्द रहल आ सहयोगि सदस्यसबसंग मिलक ईनभिजन गठन कएलगेल बतौलनि । इनभिजन जाहि उद्धेश्यसँ गठन कएलगेल छल ताहि अनुरुपे काज करएमें सफल भेल ओ बतौने छलथि ।

पदभार ग्रहण करैत सविता ओझा सुवेदी अपन कार्यकालमें लायन्स क्लबके अन्तर्राष्ट्रिय प्रतिबद्धताके प्राथमिकतामें राखिक काज करब बतौलनि । ओ समाज सेवा आ नेतृत्व बिकाशके सेहो प्राथमिकतमें राखिक काज करब बतौलनि ।

कार्यक्रममें विभिन्न सेवाकार्य सम्पन्नहेतु महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह केनिहार सदस्य आ पदाधिकारीके स्मृति चिन्ह आ कदरपत्रसहित सम्मान कएलगेल छल । इनभिजनके नया कार्यसमितिके भाईस प्रेसीडेण्टमें सृष्टि चपागाई, सेक्रेटरी सन्ध्या मण्डल आ ट्रेजरर अंकिता गिरीसहित ३० सदस्य रहल ज्वाईन्ट सेक्रेटरी शिल्पा सुवेदी जानकारी देनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु