विराटनगर । हरिणके सिंघ सहित मोरङके बुढीगंगा गाउँपालिकासँ एकगोटेके प्रहरी नियन्त्रणमें लेने अछि ।

बुढिगंगा गाँउपालिका १ गोकुवा रहनिहार ४६ बर्षिय संखर ऋषिदेवके हरिणके सिंघ सहित प्रहरी नियन्त्रणमें लेने अछि । बिशेष सुचनाके आधारमें बृहस्पतिके राति १० बजे ईलाका प्रहरी कार्यालय नेमुवासँ खटल प्रहरी टोली ऋषिदेवके घरसँ हरिणके दूटा सिंघ बरामद कएने छल ।

हरिणके सिंघ बरामद भेलापश्चात ऋषिदेवके जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङके नियन्त्रणमें राखिक अनुसन्धान भरहल प्रहरी जानकारी देने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु