विराटनगर । सामुदायिक प्रहरी सेवा केन्द्र तिनपैनी सामाजिक कुरिति बिरुद्ध सचेतना कार्यक्रम कएने अछि ।
कटहरी गाउँपालिकाके वडानम्बर १ महेशपुरमे केन्द्र सचेतना कार्यक्रम कएने अछि । स्थानीय वडावासीके सहभागि कराक आयोजन कएलगेल कार्यक्रममें बालविवाह,दहेज आ डाईन जेहन सामाजिक कुप्रथा सबहक बिषयमें सर्वसाधारणके जानकारी कराएलगेल छल ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङके असई अदित राई सहभागिके सामाजमें ब्याप्त कुप्रथा तथा ओहिसंग सम्बन्धित कानुनसबहक बिषयमें जानकारी करौनेछलथि । ओहि अवसरमें बजैत सामुदायिक सेवा केन्द्र तिनपैनीके अध्यक्ष मिना जोशी समाजमें रहल कुरुतिसबके अन्त कएलापर मात्र विकास आ समृद्धि गति लेत बतौलनि ।
आयोजक संस्थाके उपाध्यक्ष विद्यानन्द माझी जनचेतनाके अभावसँ समाजमे कतेको कुप्रथासब निरन्तरता पाबिरहल बतबैत तेकर अन्तहेतु सचेतना कार्यक्रमसब प्रभावी होएत बतौलनि । सम्बन्धित वडाके वडाध्यक्ष हरि राजवंशी कटहरी १ विराटनगर महानगरपालिकासंग जुडल वडा रहलोपर अशिक्षा लगायतक कारण विकाश क्रममें पाछा परल बतौलनि ।
वडावासीके समग्र विकासक लेल कुरिति रहित समाजके निर्माणहेतु आगामी दिनसबमें थप सचेतनामुलक कार्यक्रमसब आयोजन कएलजाएत बतौलनि ।
कार्यक्रममें सामुदायिक प्रहरी सेवा केन्द्र तिनपैनीके सुशिल मुन्दडा आ सन्तोष बाहेती सहित सर्वसाधारणके सहभागिता छल ।