विराटनगर । गुणस्तरिय बर्थडे केक,बिस्कुट आ बेकरीजन्य स्न्याक्स सहित आईसक्रिम उत्पादन करैत आएल किरण क्लासिक बेकरी उद्योग विराटनगरमें नया अवधारणाके शोरुम संचालन करए जारहल अछि ।
लाईभ केकके ब्यवस्थासहित किरण अपन नया शोरुम संचालनमें आन लागल अछि । स्थापना कएलजारहल शोरुमसँ उपभोक्ता तत्काले उत्पादन कएलगेल केक खरीद कसकत बताओलगेल अछि ।
उपभोक्ताके उपस्थितिमें माग अनुसार तत्काले केक बनाक उपलब्ध कराबके हिसाबसँ नयाँ शोरुम संचालनमें आन लागल संचालक संजय ब्यास बतौनेछथि ।
अहिसँ पहिने अपन उद्योगमें निर्माण कएलगेल केकसब शोरुममें डिस्पले कक बिक्री करैत अएलामें उपभोक्ताके इच्छा आ माग अनुसार तत्काले सेहो केक उत्पादन कक उपलब्ध कराबएके हिसाबसँ शोरुम संचालनमें आन लागल ब्यास बतौनेछथि ।
विराटनगर १० संसारी माईस्थान लग बेकरी नया शोरुम संचालनमें आन लागल अछि । जेठ २७ गते २ बजे एकटा कार्यक्रमके आयोजना करैत उक्त उद्योग नयाँ शोरुम संचालन करलागल अछि ।
शोरुम संचालनके अवसरमें उद्योग १० दिनधरि अपन सब उत्पादनमें १५ प्रतिशत छुट देबाक घोषणा कएने अछि । किरण क्लासिक बेकरी विभिन्न स्वादक आईसक्रिम,ब्रेड,बिस्कुट सहित विभिन्न फ्लेवरके आईसक्रिम, क्याण्डी आ चोकोबार उत्पादन करैत आएल बताओलगेल अछि ।