कटहरी । कटहरी गाउँपालिकामे रहल जनप्रिय माध्यमिक विद्यालय परिसरमें ४ कोठलीके नया भवनके निर्माण शुरु भेल अछि ।
विद्यालय प्राङणमें निर्माण होमएबला ओहि भवनके गाउँपालिका अध्यक्ष देवराज चौधरी आ उपाध्यक्ष सिता राजवंशी शिलान्यास कएनेछथि । विद्यालय परिसरमें राष्ट्रपति शैक्षिक आयोजनासँ प्राप्त ३६ लाख रकमसँ ४ कोठलीके भवन निर्माण करलागल विद्यालय ब्यवस्थापन समितिके अध्यक्ष राजेश जैसानी जानकारी देनेछथि ।
निर्माणाधिन भवनके निचलका तल्लामें दू कोठली तथा सिढी आ पहिल तल्लापर थप दूुटा कोठली निर्माण कएलजाएत । यैह अषाढ मसान्त भितर निर्माण सम्पन्न कएलजाएत ब्यवस्थापन समिति अध्यक्ष जैसानी बतौनेछथि ।
विद्यालय ब्यवस्थापन समिति अपन रेखदेखमें भवनके निर्माण कार्य शुरु कएलक ओ बतौनेछथि । अहिसँ पहिने कक्षाकोठली अभावमें विद्यार्थीके पठनपाठनमे समस्या रहैत अएलामें नया भवनके निर्माण पश्चात किछु सहज होएत बताओलगेल अछि । ओहि अवसरमें बजैत कटहरी गाउँपालिका अध्यक्ष चौधरी गाउँपालिका भितरके विद्यालय आ शिक्षाके स्तरबृद्धिहेतु स्वयं काज करहल बतौलनि ।
कटहरीके कतेको विद्यालयसबमें शिक्षक आ विद्यार्थीसबके संख्यात्मक तालमेलके समस्या आ भौतिक संरचनाके अभाव लगायतक समस्या रहलासँ तेहन समस्यासबके समाधान कएलजाएत अध्यक्ष चौधरीके कहब छलन्हि ।