विराटनगर । मोरङके १७ स्थानीय तहके प्रमुख तथा अध्यक्षके सपथ ग्रहण कराएलगेल अछि ।
विराटनगर महानगरपालिकाके सभाहलमें पालिका प्रमुखसब सपथग्रहण कएने अछि । प्रमुख निर्वाचन अधिकृत कार्यालयके प्रमुख तथा मोरङ जिल्ला अदालतके न्यायाधीश भरत लम्साल नवनिर्वाचित पालिका प्रमुखसबके सपथ ग्रहण करएने छलथि ।
सपथ ग्रहण पश्चात विराटनगर महानगरपालिके प्रमुख नागेश कोइराला वितल निर्वाचनमें बेसी मत बदर भेलके कारण मतदाता शिक्षा देबहेतु निर्वाचन आयोगके आग्रह कएनेछलथि । शपथ ग्रहण केनिहार पालिका प्रमुखद्वारा अपन अपन पालिकाके उपप्रमुख, वडाध्यक्ष तथा वडासदस्यबके शपथ ग्रहण कराबके कानूनी व्यवस्था अछि ।
अहिबीच विराटनगर महानगरपालिकाका प्रमुख कोईराला निर्वाचित उपप्रमुख सहितके जनप्रतिनिधिसबके सपथ ग्रहण करौनेछथि । काईराला विराटनगर महानगरपालिकाद्वारा आयोजित कार्यक्रमकबीच जनप्रतिनधिसबकेसपथ ग्रहण करौनेछलथि ।
ओहि क्रममे कोइराला उपप्रमुख शिल्पा निराला कार्की सहित महानगरपालिकाके १९ वडाके वडाध्यक्षसबके सपथ ग्रहण करएलथि ।
सपथ ग्रहण पश्चात पदभार ग्रहण करैत कोइराला अपन चुनावी घोषणा पत्र अनुसार करके दायरा बढाक दर घटाब बिषयके प्रस्तावके निर्णय कएलनि ।