विराटनगर । विराटनगर महानगरपालिकाके उपमेयर पदपर स्वतन्त्र उम्मेदवारी देनिहार नमिता न्यौपाने महानगरपालिकासँ भेटएबला कोनो सेवासुविधा नै लेबके घोषणा कएने छथि ।
नेपाल पत्रकार महासंघ मोरङके सभाहलमें सोमदिन पत्रकार सम्मेलनके आयोजनकक न्यौपाने एहन घोषणा कएने छथि । नेकपा माओवादी केन्द्रसँ राजीनामा दक उपमेयर पदपर ठाढ भेल न्यौपाने चुनाव जितलापर महानगरपालिकासँ कोनो सुविधा नैलेबके घोषणा कएनेछथि ।
अपन प्रतिबद्धता पत्र सार्वजनिक करैत न्यौपाने गाडी इन्धन लगायतक कोनो सुविधा नैलेब घोषणा कएने छलथि । निजी गाडी आ ईन्धन प्रयोग कक महानगर विकास तथा अपन जिम्मेवारी अनुसारक काज करब हुनक कहब छल ।
प्रतिबद्धतापत्र घोषणा करैत न्यौपाने महानगरपालिकाके राजनीतिक भर्ती केन्द्रके रुपमें प्रयोग कएलजारहलसँ तेकरा रोकब अपन उद्धेश्य रहल बतौने छलथि । तहिना महानगरके न्यायिक समिति आ इजलाशके प्रभावकारी बनाएब तथा महानगरके सुधारहेतु आवश्यक कानुनसबके निर्माण अपन प्राथमिकता रहत ओ बतौनेछलथि ।
संविधानद्वारा प्रमुख तथा उप प्रमुख मध्य १ गोटे महिला अनिवार्य कएलगेलोपर गठबन्धनद्वारा लैङ्गिक सन्तुलनके उपेक्षा कएलापर अन्तिम समयमें स्वयं उम्मेदवारी देलहुँ ओ बतौने छलथि । वितल चुनावमें उपमेयरमें कांग्रेसके इन्दिरा कार्कीके २० हजार १४६ मत प्राप्त भेलापर न्यौपाने ११ हजार ५ सय २४ मत हासिल कएने छलथि ।
ओहि समयमें तत्कालीन संघीय समाजवादी फोरम आ नेकपा माओवादी केन्द्रबीच गठबन्धन भेल छल । बितल चुनावमें १९ हजार मत बदर भेलापर अपना हार परल ओ बतौनेछथि ।
शिक्षामें सुधार, सरकारी विद्यालयसबके पूर्वाधार विकास तथा स्तरवृद्धि, कोसी अस्पतालके व्यवस्थित बनएनाई, महानगरके समग्र विकासक योजनासबके गुणस्तरमें कमजोरी नै होबदेबएलेल प्रभावकारी अनुगमन प्रणालीके विकास लगायतक प्रतिबद्धासब हुनक प्रतिबद्धता पत्रमें समेटलगेल अछि ।
तहिना फोहोर व्यवस्थापनके दीर्घकालीन समाधान, महिलासबके उद्यमशील बनएनाई, रोजगारी सिर्जना आ महिला तथा किशोरी स्वास्थ्य आदि विषयमें सेहो विशेष कार्यक्रम बनाक काम करब हुनक प्रतिवद्धतापत्रमें समेटलगेल अछि ।
–हाम्रोमत सँ