विराटनगर । समाजसेवा तथा मानवीय सेवामें बेजोड छाप छोडनिहार विराटनगरके गणेश साह राजनीतिमें उतरल छथि ।
विराटनगर–११ के वडाध्यक्ष पदपर उम्मेदवारी देनिहार गणेश एखनि स्वयं आबद्ध जनता समाजबादी पार्टी नेपाल आ चुनावचिन्ह छाता छापके प्रचारप्रसारमें ब्यस्त रहैतछथि । अहिसँ पहिने २०७४ सालके बिनाशकारी बाईढ आ कोभिड संक्रमणके संकटकालिन समयमें राहत,उद्धार आ स्वास्थय उपचार सेवामें समर्पित भक ओ समाजमें उदाहरणिय स्थान बनाचुकल छथि ।
साह कोरोनाके पहिल आ दोसर लहरमें लकडाउनके समयमें उपचार अभावमें असगरे छटपटा रहल संक्रमितके घर–घर जाक औषधि,स्वास्थ्य सामाग्रि,अक्सिजन आ खाद्यान्न पहुँचाबएके काज कएलथि । मनुक्ख संग मनुक्ख डेराएके अवस्थामें साह संक्रमितके अस्पतालधरि पहुँचाबएके आ उपचारक पहलहेतु भुमिका निर्वाह कएने छलथि ।
एतबे मात्र नहि लकडाउनके समयमें बहुतो दिनतक दोकान आ होटल बन्द भेल तथा रोजगारी गुमलाके कारण भुखले रहपरिरहल मजदुरके लक्षितकक ओ निशुल्क भोजन सेवा सेहो संचालन कएने छलथि । ओहि समयमें खानाके पाकेट बनाक निजी सवारीसाधनसँ महानगरपालिकाक विभिन्न सडक कातमें बास करहल विपन्नवर्गके साह भोजनके पाकेट वितरण करहल देखलजाईत छलथि ।
हुनक अहिप्रकारक मानवीय सेवा कार्यके बहुतो लोक प्रेरणाके श्रोतकेरुपमें लेने छल । तहिना किछु महिना पहिने दलित समुदायके दर्जनौं जेष्ठ नागरीकसबके एक्के मंचसँ सम्मान कक सेहो साह नीक चर्चा हासिल कएने छलथि । अहिसँ पहिने राजनीतिमें बिशेष रुचि नैरखनिहार साह एखनि जनता समाजबादी पार्टी नेपालसँ वडाध्यक्षके उम्मेदवारी देनेछथि ।
जनप्रतिनिधिकेरुपमें अपन सेवाकार्यके आओर प्रभावकारीरुपमें आगा बढाएलजासकैत अछि देखक स्वयं उम्मेदवारी देलहुँ साहके कहब अछि । स्वयं पार्टीके प्रतिनिधित्व करहलोपर बिजय भक वडाध्यक्ष निर्वाचित भेलापर अपन कार्यसम्पादनमें कोनो भेदभाव नैरहत साहके दाबी अछि ।
साह अपन चुनावी प्रचारप्रसारके ब्यवस्थितरुपमें आगा बढारहल छथि । ओ अपन चुनावी घोषणा वडापत्र सेहो सार्वजनिक कएने छथि । जाहिमें वार्डके चौतर्फी विकास आ समाजसेवाके भाव समेटलगेल अछि । जाहिमें जेष्ठ नागरीकके वडामें आबजाएलेल सवारीसाधनके ब्यवस्था करब,आपराधिक गतिविधि नियन्त्रणहेतर सडकपर सिसि क्यामरा जडान,एसईईमें उत्कृष्ट भेल छात्रासबके साईकल वितरण आ जेष्ठ नागरीकके लक्षितकक त्रैमासिकरुपमें स्वास्थय शिवीर आयोजना,सडक आ पुलपैनी निर्माणके ब्यवस्था करब लगायतक प्रतिबद्धता समेटलगेल अछि ।
साह एक सफल यूवा उद्यमिकेरुपमें अपन स्टिल फर्निचर कारखाना संचालन करैत आएलछथि तथा एलपी ग्याँस विक्रेता संघ मोरङ अध्यक्ष,नेपाल बैश्य सेवा संघ मोरङ अध्यक्ष,नेपाल घरेलु तथा साना उद्योग महासंघ कार्यसमिति सदस्य,मोरङ ब्यापार संघ युवा उद्यमी उपसमिति सदस्य लगायत दर्जनौं सामाजिक संघ संस्थामें सेहो ओ नेतृत्वदायि भुमिका निर्वाह करैत आएल छथि ।