विराटनगर । स्थानीय तह निर्वाचनहेतु मनोनयन दर्ताके अन्तिम दिन प्रमुख राजनीतिक दल आ स्वतन्त्र उम्मेदवारसब महानगरपालिकाके मेयर, उपमेयर, वडाध्यक्ष आ वडासदस्य पदकेलेल उम्मेदवारी दर्ता करएने अछि ।
विराटनगरके शनिहाट लग रहल नेपाल रेडक्रस सोसाईटी भवनमें राखलगेल मुख्य निर्वाचन अधिकृतके कार्यालयमें सोमदिन कार्यालय समय सुरु होइते मनोनयन दर्ता करएनिहार राजनीतिक दलके प्रतिनिधिसहित स्वतन्त्र उम्मेदवारी देनिहारक भीड लागल छल ।
ब्यानर आ झण्डासहित पहुँचल उम्मेदवार आ समर्थकसबहक उपस्थितिसँ शनिहाटके उक्त क्षेत्र ब्यस्त भेल छल । ओहिक्रममें पाँच दलीय गठबन्धनके तरफसँ नेपाली काँग्रेसके मेयर पदकेलेल नागेश कोईराला आ उपमेयरकेलेल जनता समाजबादी पार्टी नेपालक अमरेन्द्र यादव उम्मेदवारी दर्ता करौनेछलथि ।
तहिना नेकपा एमालेसँ मेयरमें सागर थापा आ उपमेयरमें शिल्पा कार्की उम्मेदवारी दर्ता करौनेछलथि । पूर्वमन्त्री लालबाबु पण्डित, नेकपा एमाले जिल्ला अध्यक्ष विनोद ढकालसहित पहुँचल थापाके टोली मुख्य निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय पहुँचक उम्मेदवारी दर्ता करौने छल ।
तहिना राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीसँ पूर्वमेयर प्रहलादप्रसाद साह आ उपमेयरहेतु बबिता आचार्य लुइँटेल उम्मेदवारी दर्ता करौनेछथि ।
सैहक्रममें लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टीके दिससँ मेयरमें मृत्यञ्जय मिश्रा आ उपमेयरमें शहनाज खातुन उम्मेदवारी दर्ता करौनेछथि ।
विवेकशील साझा पार्टीसँ मेयरमें अमलेश कर्ण आ उपमेयरमें श्रीजु पराजुली उम्मेदवारी दर्ता करौनेछथि ।
राष्ट्रिय जनमोर्चासँ विराटनगर–१२ के ७१ वर्षिय टंकप्रसाद गौतम महानगरके मेयरकेलेल उम्मेद्वारी देनेछथि । तहिना जनता साजबादी पार्टी परित्याग कक महिला नेतृ बसुन्धरा झा उपमेयरकेलेल स्वतन्त्र उम्मेदवारी देनेछथि ।
अहिसँ पहिने जसपा परित्याग केनिहार उमेश यादव, जनमत पार्टीके अरुणकुमार मण्डल, नेपाली कांग्रेस वीपीके तरफसँ रामचन्द्र गौतम आ स्वतन्त्र उम्मेदवार सक्रिय गौतम रबिदिन मेयर पदपर उम्मेद्वारी दर्ता करौनेछलथि ।