विराटनगर, ५ वैशाख । विराटनगरस्थित नोबेल मेडिकल कलेजमें ‘नोबेल स्पोर्टस फियस्टा’ सुरु भेल अछि ।

एमवीवीएस १३ म व्याच, बीडीएस ८ म व्याच आ बीएस्सी नर्सिङ ८ म व्याचद्वारा संयुक्तरुपमें स्पोर्टस फियस्टा अर्थात खेलकुद उत्सव आयोजना कएलगेल अछि । कलेजके प्रिन्सिपल डा.रामहरी घिमिरे खेलकुद उत्सव उद्घाटन कएलनि ।

कार्यक्रमके संवोधन करैत प्रिन्सिपल डा.घिमिरे, नर्सिङ डाइरेक्टर निलम झा, अन्तर्राष्ट्रिय शैक्षिक निर्देशक डा.निरञ्जन कुमार आ डा.दिपेन्द्र नौलखा स्वस्थ जीवनकलेल खेलकुदके महत्वपूर्ण भूमिका रहल कहैत खेलकुद उत्सव सफलताके शुभकामना देलनि ।

सात दिनधरि सञ्चालन होबएबला फियस्टामें फुटबल, भलिबल, क्रिकेट, कवड्डी, ब्याडमिन्टन, टेबलटेनिस, टगअफवार, चेस, लुडो क्यारम आ म्याराथन खेल होएत । तहिना पब्जी, फिफा आ मिनिमिलेसिया जेहन अनलाइन खेल सेहो होएत ।

ओम्हर, महिलातर्फ क्रिक्सल आ फुटसल खेलाओजाएत आयोजक जानकारी देने अछि । कार्यक्रममें हाडजोर्नी विभागक प्रमुख डा.उदयचन्द्र चौधरी खेलकुद उत्सवके सहयोगार्थ नगद पाँच हजार सहयोग प्रदान कएने छलथि । नोबेलका विद्यार्थीसब हरेक बर्ष स्पोर्टस फियस्टा करैत आएल अछि ।

नोबेलमें डीएम एमसीएच, एम्डी, एमएस, एमबीबीएस, बीडीएस, बीएस्सी नर्सिङ, बीएनएस, बीपीटी, ल्याव टेक्निसियन, रेडियोग्राफी, डेन्टल हाईजिन आ डिफार्म संकायमें करिव १ हजार ६ सौ विद्यार्थी अध्ययनरत अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु