विराटनगर ३ बैशाख । वैशाख ३० गते होबलागल स्थानियतहके निर्वाचनहेतु जिल्ला सुरक्षा समिति मोरङ जिल्लाके संवेदनशिल मतदानस्थल तथा केन्द्रसबहक अनुगमन कएने अछि ।
पहाडी क्षेत्र तथा नेपाल भारत सिमासंग जुडल मोरङके पालिकासबमें रहल संवेदनशिल मतदान स्थलके समिति अनुगमन कएने अछि । कतेको मतदान स्थलसब भैगोलिक विकटता तथा सडकके पहँुचसँ दुर रहलासँ तेहन मतदान स्थलके संवेदनशिल विश्लेषण करैत अनुगमन कएलगेल सुरक्षा समितिके प्रमुख एवं मोरङक प्रमुख जिल्ला अधिकारी काशिराज दाहाल वतौनेछथि ।
अनुगमनके क्रममा मतदानकेन्द्रके व्यवस्थापन तथा सहज मतदानहेतु कएलजाएबला उपायक विषयमें जनप्रतिनिधि तथा स्थानिय समुदायसंग समन्वय करैत सुरक्षा समिति सुझाव सेहो लेलक प्रमुख जिल्ला अधिकारी दाहाल वतौनेछथि ।
प्रमुख जिल्ला अधिकारी दाहाल सहित मोरङके प्रहरी प्रमुख शान्तिराज कोइराला, नेपाली सेना थलाहाके प्रमुख सेनानी अमृत थापा मगर, ३ नम्बर गण हेडक्वाटर टंकिसिनवारीके सशत्र प्रहरी उपरीक्षक राजकुमार लामिछाने तथा राष्ट्रिय अनुसन्धान मोरङके प्रमुख एवं उप अनुसन्धान निर्देशक वासुदेव सिग्देल लगायतक सुरक्षा समिति सम्मिलित टोली मतदान स्थलके अनुगमन कएने अछि ।
स्थानियतह निर्वाचनहेतु विद्यालय तथा वडा कार्यालयसबके मतदानस्थल निर्धारण कएलगेल अछि । अनुगमनके क्रममें किछ मतदानस्थल कम फैलगर रहलासँ तेकरा व्यवस्थित कएलजाएत बताओलगेल अछि । मिक्लाजुङ गाउपालिका सहित किछु पालिकाके विकट स्थानमें रहल मतदान स्थलमें हेलिप्याडके सेहो व्यवस्था कएलजाएत सुरक्षा समिति जानकारी देने अछि ।
मोरङ जिल्लामें स्थानियतह निर्वाचनकहेतु ३ सौ मतदान स्थल तथा ८ सौ २० मतदानकेन्द्र मतदानहेतु तय कएलगेल अछि । सुरक्षा समितिके अनुसार निर्धारण कएलगेल मतदान स्थलमध्य ४९ टा के अति संवेदनशिल १ सौ ५५ टा संवेदनशिल तथा ९६ टा के सामान्य मतदान स्थलके रुपमा विश्लेषण कएलगेल अछि ।
अहिबेरके निर्वाचनमें मोरङमें ७० टा मतदानकेन्द्र थप कएलगेल प्रमुख जिल्ला अधिकारी दाहाल वतौनेछथि । सुरक्षा समितिद्वारा सब पालिकाके मतदान स्थल तथा केन्द्रके अनुगमन कक सैह अनुसार सुरक्षा रणनिती तयार कएलजाएत बताओलगेल अछि ।
एखनिधरि १ सौ सँ बेसी मतदान स्थलके अनुगमन कएलगेल आ अनुगमन भेल सब मतदानस्थल मतदाताहेतु पायक स्थानमें रहल बताओलगेल अछि ।
भौलिक अवस्थाके मध्यनजर करैत निर्वाचन सम्पन्न भेलापश्चात मतपेटिकासबके मतगणना स्थलधरि तत्काल सहज रुपसँ पहुँचाबके सुरक्षा व्यवस्था कएलजाएत समिति जानकारी देने अछि ।