विराटनगर, २० चैत्र । विराटनगरस्थित नोबेल शिक्षण अस्पतालके अर्थोपेडिक विभागमें कार्यरत डा. विजय कुमार यादवके मृत्यु भेल विषयमें अनुसन्धान कक सत्य, तथ्य पता लगाबहेतु अस्पताल माग कएने अछि ।
नोबेल अस्पतालके निर्देशक डा. राजेश नेपाल रबिदिन एकटा विज्ञप्ती जारी करैत डा. यादवके मृत्युके विषयमें यथाशिघ्र अनुसन्धान कक सत्य, तथ्य पता लगाबहेतु माग कएने छथि । ‘अहि अस्पतालके अर्थोपेडिक विभागमें २०७६ जेठ ६ गतेसँ मेडिकल अफिसरके पदमें कार्यरत सप्तरीके मलेखपुर–६ खुरखुरीया घर रहल डा. विजय कुमार यादवके शव विराटनगर–४ स्थित स्वयं रहैत आएल घरके कम्पाउन्डमें शंकास्पद रुपमें भेटल विषयमें सम्बन्धित निकाय मार्फत यथाशिघ्र अनुसन्धान कक सत्य, तथ्य पता लगाबहेतु जोडदार माग करैत छी ।’ विज्ञप्तीमें उल्लेख अछि ।
ओ लगनशिल आ मिलनसार स्वाभावके ब्यक्ती रहल स्मरण करैत हुनकर निधनप्रति अस्पताल दुःख व्यक्त कएने अछि । डा.यादव विराटनगर–४ स्थित प्रेम बस्नेतके घरमें डेरा रहैत आएल छलथि । शनिदिन भोरे ६ बजे सैह घरके कम्पाउण्ड भितर ओंघराएल तथा शरीरके विभिन्न भागसँ खुन बहिरहल अवस्थामें ओ मृत भेटल छलथि ।
डा.यादवको हत्या भेल कहैत हुनकर परिवारक सदस्य, रिस्तेदार तथा समर्थकसब शनिवार दुपहर नोबेल अस्पताल आगा हत्याराके तत्काल पक्राउ कक कारबाहीके दायरामें आनलेल माग करैत टायर पजारिक प्रदर्शन सेहो कएने छल ।