विराटनगर १८ चैत । मोरङ ब्यापार संघके आयोजनामें विराटनगरमें आइसँ ९ दिनक ब्यापार मेला ‘मोरङ ब्यापार संघ ट्रेड एक्सपो–२०२२’ शुरु भेल अछि ।

विराटनगरके शंकरपुर मैदानमें शुरु भेल मेलाके संस्कृति,पर्यटन तथा नागरीक उड्डयन मन्त्री प्रेम आलेले उद्घाटन कएलनि । मेलामें २ सौ ८१ स्टल मार्फत स्वदेशी तथा विदेशी उत्पादनसब प्रर्दशन तथा विक्रि कएलजारहल अछि । मेलामें नेपालक घरेलु,छोट ,मझौला तथा पैघ उद्योगसबहक अतिरिक्त देशभरिके सब प्रदेश झल्कएबला कलासंस्कृति,पर्यटन,शिक्षा,स्वास्थय,खानीजन्य तथा कृषिजन्य बस्तुसबहक प्रर्दशनी कएलगेल अछि ।

स्वदेशी उत्पादनके साथे पडोसी देशसब भारत,बंगलादेश तथा पाकिस्तानके उत्पादकसबहक स्टल सेहो मेलास्थलमें राखलगेल अछि । बिगतके बर्षसबसँ अहिबेरके मेलामें बिशेष आर्कषणसब थप कएलगेल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष नवीन रिजाल बतौनेछथि । अहिबेरके मेला स्थलमें अन्र्तराष्ट्रिय ख्यातिप्राप्त सम्पदाके नमुनासब लण्डन ब्रिज,बुर्ज खलिफा,बुर्ज अल अरब आ सेन्ट वेसिलके प्रतिमुर्ति निर्माण कक प्रर्दशन कएलगेल अछि ।

तहिना नेपालके मेला ईतिहासमे पहिलबेर साहसिक खेलसबके अनुभव प्रदान करएलेल, जिप लाईन,रिभर्स बन्जी आ जिप साईकलिङके ब्यवस्था सेहो कएलगेल रिजाल जानकारी देनेछथि । मेलामें एसी डोम प्रबिधिके स्टलसब निर्माण कएलगेल मेला आयोजक समितिके संयोजक विकास कुमार बेगवानी जानकारी देनेछथि । मेलामें एसी जडित ८० स्टल,कुलर जडित ६० आ सामान्य स्टल १०६ रहत ओ बतौनेछथि ।

मेलामें प्रवेशकलेल १ सौ रुपैयाके टिकट निर्धारण कएलगेल अछि । मेलाके उद्घाटन सत्रमें प्रदेश एकके स्वास्थयमन्त्री जयराम यादव आ पुर्वमन्त्री मीनेन्द्र रिजाल लगायत उद्योगि ब्यवसायी,सुरक्षा निकायके प्रमुख लगायतक उपस्थिति रहल छल । आइसँ शुरु भएको मेला चैत २६ गतेधरि चलत ।

सम्बन्धित खबरहरु