विराटनगर ३० फागुन । उपचार अभावमें मोतियाबिन्दुके कारण बहुतो समयसँ अन्धापन आ न्युन दृष्टि जीवन जिवलेल बाध्य १२ गोटे जेष्ठ नागरीकके फेरसँ दृष्टि भेटल अछि ।

विराटनगरके दिब्यज्योती अस्पतालद्वारा सम्पुर्ण शुल्क मिनाहा कक निशुल्क शल्यक्रिया आ उपचार कदेलापर जीवनके उत्तरार्धमें हुनकर सबके दृष्टि फेरसँ घुमल अछि । एक त घरपरिवार आ बेटाबेटीसब परित्याग कदेलापर जीवनके उत्तरार्धमें आश्रमके बास ताहुपर अन्धापन आ न्युन दृष्टिके पीडा । विराटनगर ८ मधुमारामें रहले विराटेश्वर बृद्धाश्रमके आश्रित जेष्ठ नागरीकसब लम्बा समयसँ आँखि सम्बन्धि रोगके कारण समस्याग्रस्त छलथि ।

एहन समस्या रहलसब मध्य एकगोटे छथि झापा कोटिहोम स्थायि घर भक ३ बर्ष एम्हर ओहि बृद्धाश्रममें रहैत आएल १०२ बर्षिय बलराम आचार्य । एकसौ बर्षक दीर्घजीवन पार कचुकल आचार्यके मोतियाबिन्दुके कारण दुनु आँखिके दृष्टि लगभग गुमिचुकल छल । दृष्टि गुमलाके कारण ओ कष्टकर जीवन बितबैत आबिरहल छलथि । मुदा विराटनगरके दिब्यज्योती अस्पताल, हुनक निशुल्क शल्यक्रिया खन उपचार कदेलापर एखनि हुनकर दृष्टि घुमल अछि । अप्रेशन पश्चात दृष्टि घुमलासँ स्वयंके सहज भेल ओ प्रतिक्रिया देनेछथि ।

आश्रमक दोसर आश्रित भोजपुर,दिङलाके ८४ बर्षिय भवनाथ सुवेदी सेहो मोतियाबिन्दुके कारण न्युन दृष्टि सहित बाँचलेल विवश छलथि । शल्यक्रिया पश्चात हुनकर दृष्टि सेहो घुमल अछि । आचार्य आ सुवेदी सहित आश्रमक १२ गोटे जेष्ठ नागरीकके अस्पतालद्वारा निशुल्क शल्यक्रिया कएलापर हुनकरसबके दृष्टि क्षमता बढल अछि । अस्पताल आश्रमके आश्रित ६५ वर्षिय लक्ष्मी अग्रवाल,६८ वर्षिय सीता पराजुली,६२ वर्षिय सन्तोष भटट्राई,७६ वर्षिय गणेश निरौला ,६८ वर्षिय साजनजी राय, ७० वर्षिय फलफूल कान्छी राई, ९० वर्षिय भानु, ८७ वर्षिय प्रेम बहादुर तामाङके मोतियाबिन्दुके आ ८२ वर्षिय भिम कुमारी रायके आँखिमे बढल माउसके सफल शल्यक्रिया कदेने अछि ।

आश्रममे रहनिहार १२ गोटेके अस्पताल एक्केबेर निशुल्क शल्यक्रिया आ उपचार कक जेष्ठ नागरीकप्रति उदाहरणिय काज कएलक आश्रमके संस्थापक जगतप्रसाद अज्र्याल बतौनेछथि । बृद्धाश्रममें जलबिन्दु सप्ताह अन्र्तगत निशुल्क आँखि शिवीर संचालन करके क्रममें १२ गोटेके शल्यक्रिया करवाक अवस्था देखलापर अस्पताल लजाक निशुल्क शल्यक्रिया कएलगेल अस्पतालक अध्यक्ष कमलेश कर्ण बतौनेछथि । अस्पतालद्वारा निशुल्क शल्यक्रिया,उपचार,औषधि,चश्मा मात्र नैभक जेष्ठ नागरीकसबके खानपान आ आश्रमसँ लाब लजाएहेतु यातायात लगायत सबचिज निशुल्क कदेने छल ।

उपचार पश्चात आश्रम घुमलागल जेष्ठ नागरीकसबके अस्पताल प्रशासन दोसल्ला आ फुलमालासहित सम्मान करैत विदाई कएलक अस्पतालक निर्देशक देवा यादव बतौनेछथि । समाजमें जेष्ठ नागरीकसबहक सेवाप्रति प्रेरणा अभिबृद्धिके उद्धेश्यसँ आश्रम लक्षित निशुल्क उपचार आ शल्यक्रिया कार्यक्रम आनलगेल ओ बतौनेछथि । आगामी दिनमें सेहो जेष्ठ नागरीक लक्षित कार्यक्रमके निरन्तरता देलजाएत ओ बतौनेछथि ।

जेष्ठ नागरीकसब प्रति अवहेलना बढैतगेल अवस्थाकबिच अहि प्रकारक काजसँे समाजके दिशानिर्देशके अपेक्षा कएलजासकैत अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु