विराटनगर २४ फागनु । मोरङ ब्यापार संघके आयोजनामें विराटनगरमें ९ दिनक ब्यापार मेला आयोजना होबए जारहल अछि ।

संघके आयोजनामें आगामि चैत १८ गतेसँ २६ गतेधरि ‘मोरङ ब्यापार संघ ट्रेड एक्सपो–२०२२’ आयोजना होबएजारहल अछि । आयोजक संस्था आइ पत्रकार सम्मेलन कक ओहि बिषयमें जानकारी करएने अछि । नगरक्षेत्रके शंकरपुरमा मेला आयोजन कएलजाएत आयोजक समिति जानकारी देने अछि । मेलामें २ सौ ८१ स्टल मार्फत स्वदेशी तथा विदेशी उत्पादनसब प्रर्दशन तथा विक्रि कएलजाएत । मेलामें नेपालक घरेलु,छोट ,मझौला तथा पैघ उद्योगसबहक अतिरिक्त देशभरिके सब प्रदेश झल्कएबला कलासंस्कृति,पर्यटन,शिक्षा,स्वास्थय,खानीजन्य तथा कृषिजन्य बस्तुसबहक प्रर्दशनी कएलजाएत पत्रकार सम्मेलनमें जानकारी देलगेल छल । स्वदेशी उत्पादनके साथे पडोसी देशसब भारत,बंगलादेश तथा पाकिस्तानके उत्पादकसबहक स्टल सेहो मेलास्थलमें रहत बताओलगेल अछि ।

बिगतके बर्षसबसँ अहिबेरके मेलामें बिशेष आर्कषणसब थप कएलगेल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष नवीन रिजाल बतौनेछथि । अहिबेरके मेला स्थलमें अन्र्तराष्ट्रिय ख्यातिप्राप्त सम्पदाके नमुनासब लण्डन ब्रिज,बुर्ज खलिफा,बुर्ज अल अरब आ सेन्ट वेसिलके नमुनासब सेहो निर्माण तथा प्रर्दशन कएलजाएत ओ बतौनेछथि । तहिना नेपालके मेला ईतिहासमे पहिलबेर साहसिक खेलसबके अनुभव प्रदान करएलेल, जिप लाईन,रिभर्स बन्जी आ जिप साईकलिङके ब्यवस्था सेहो कएलगेल रिजाल जानकारी देनेछथि । मेलामें एसी डोम प्रबिधिके स्टलसब निर्माण कएलजाएत मेला आयोजक समितिके संयोजक विकास कुमार बेगवानी जानकारी देनेछथि ।

मेलामें एसी जडित ८० स्टल,कुलर जडित ६० आ सामान्य स्टल १०६ रहत ओ बतौनेछथि । मेलामें प्रवेशकलेल १ सौ रुपैयाके टिकट निर्धारण कएलगेल अछि । अहिबेरके मेला आयोजना करएमें ३ करोड खर्च होएत आ ४० करोडके कारोबार होबके आयोजक अपेक्षा कएने अछि ।

ब्यापार तथा पर्यटन प्रर्बधन करएमें मेला तथा प्रर्दशनीसबके भुमिका महत्वपुर्ण रहलोपर विराटनगरमें सरकारी प्रर्दशनी स्थल नैरहलाके कारण निजी ब्यक्तीके जमिनमें मेला तथा प्रर्दशनीसब आयोजना करबाक बाध्यता रहल मोरङ ब्यापार संघके निर्वतमान अध्यक्ष प्रकाश मुन्दडा बतौनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु