विराटनगर, २३, फागुन । प्रदेश १ सरकार ११२ अन्तर्राष्ट्रिय महिला दिवस भव्यरुपमें मनाबएजारहल अछि ।
सामाजिक विकास मन्त्रालय सोमदिन पत्रकार सम्मेलन कक मार्च ८ अर्थात मंगलदिन मनाएलजारहल दिवसके सम्पूर्ण तयारी पुरा भेल जानकारी देने अछि । मन्त्रालयके सचिव दीर्घराज मैनाली, मंगलदिन भोरे मुख्यमन्त्री राजेन्द्रकुमार राईके उपस्थितिमें सामाजिक संघ संस्थासबहक सहभागितामें विराटनगरके देवकोटा चौकपर जमाभक नेपाल प्रहरीके ब्याण्ड बाजा आ सांस्कृतिक झाँकी सहित बृहत रैली निकाललजाएत बतौलनि ।
रैली जलजला मोडसँ बजार परिक्रमा कक गोल्छा चौक होइत आदर्श माविमें मञ्चके कार्यक्रममें सहभागि होएबाक तैयारी कएलगेल ओ बतौनेछलथि । रैली पश्चात भोर ८ वजेसँ आदर्श माविके प्राङगणमें खुला रक्तदान कार्यक्रम राखलगेल ओ बतौलनि । दुपहरमें मानवसेवा आश्रममें आश्रितके फलफूल वितरण कार्यक्रम कएलजाएत आ साँझ साढे ५ वजे विराटनगर ट्राफिक चौकपर दीप प्रज्वलन कक दिवस समापन कएलजाएत सचिव मैनाली बतौनेछथि ।
११२ अन्तर्राष्ट्रिय महिला दिवस ‘सामाजिक न्याय आ लैंगिक समानता ः दिगो विकासको सुनिश्चितता’ राष्ट्रिय नाराक संग मनाओलजारहल अछि ।