कटहरी २१ फागुन । नेपाल आदिवासी जनजाति महासंघके कटहरी गाउँ समन्वय समन्वय परिषद गठन कएलगेल अछि ।

कटहरी गाउँपालिका १ के चौधरी कृषि फर्ममें भेल महासंघ कटहरीके दोसर अधिवेशनसँ ९ सदस्यिय समन्वय परिषद निर्विरोध निर्वाचित भेल अछि । स्थानिय जयन्त कुमार राजवंशीके नेतृत्वमें कटहरी गाउँ समन्वय परिषद निर्विरोध निर्वाचित भेल महासंघ जानकारी देने अछि । समन्वय परिषदके उपाध्यक्षत्रयमें केशवकुमार मुडियारी,अनिताकुमारी मण्डल,सहदेव राजवंशी आ सचिवमा दिलिपकुमार माझी निर्वाचित भेलछथि । तहिना तिनगोटे सहसचिवमें प्रतापसिंह राई,अनिलकुमार उरांव आ सृष्टि पालुङ्वा छथि तहिना कोषाध्यक्षमें शुसिल हास्दा चयन भेलछथि ।

नेपाल आदिवासी जनजाति महासंघ, आदिवासी समुदायके भाषा,कलासंस्कृतिके संरक्षणके साथे ओकरसबहक हकअधिकार स्थापित करएमें भुमिका निर्वाह करैत आएल अछि । कार्यक्रममें महासंघक मोरङ अध्यक्ष दिलबहादुर थेबे आ निर्वतमान अध्यक्ष देवराज चौधरी लगायतक सहभागिता छल ।

सम्बन्धित खबरहरु