विराटनगर २१ फागुन । बैश्य समाजके राजनैतिक तथा सामाजिक उन्नयन हेतु १०१ सदस्यिय संघर्ष समिति गठन भेल अछि ।

समाजक अगुवा ब्यक्तीसबहक उपस्थितिमें विराटनगरस्थित स्थानिय रामजानकी सेवा सदनमें भेल बैसारसँ शंकरप्रसाद रौनियारके अध्यक्षतामें १०१ सदस्यिय संघर्ष समिति गठन कएलगेल अछि । नवगठित संघर्ष समितिके विभिन्न ५ बुँदाके कार्यभार देलगेल अछि । जाहि अनुसार बैश्य समाजके ब्यक्तीसबहक राजनीतिक पहुँचहेतु संघर्ष करएके,आगामि स्थानिय तहके निर्वाचनमें जनसंख्याके आधारमा टिकट उपलब्ध कराबहेतु पहल करएके आ समाजके अग्रगति देबलेल नेतृत्वदायि भुमिका निर्वाह करएके कार्यादेश देलगेल अछि ।

तहिना बैश्य आयोग गठनहेतु आवश्यक पहल आ संघर्ष करके तथा बैश्य समुदायक ब्यक्तीसब जाहि पार्टीमें आबद्ध अछि सैह पार्टी मार्फत टिकट दिआबलेल पहल करए लगायतक ५ बुँदाके कार्यादेशसहित संघर्ष समिति गठन भेल अछि ।

कार्यक्रममें डाक्टर श्याम रौनियार,समाजसेवी सियाराम रौनियार,ललन प्रसाद साह,युवा नेता राजेश गुप्ता,अधिवक्ता तथा अधिकारकर्मी सन्जु साह,अमृत कुमार साह,बिरेन्द्र कुमार साह,महेश स्वर्णकार,मदन साह,कामेश्वर रौनियार,भोला साह,महेन्द्र साह,प्रदिपकुमार भगत,बरिष्ठ, राजकुमार गुप्ता, समाजसेबी नगेन्द्र भगत, अनुज गुप्ता, मुक्तेश्वर शाह, दिपेन्द्र रौनियार, दिपेन रौनियार आ गणेकुमार साह लगायतक सहभागिता छल ।

नवगठित समिति, आबबला निर्वाचनके लक्षित कक आवश्यकता अनुसारक दबाबमुलक कार्यक्रमसब संचालन करत नवगठित संघर्ष समितिके अध्यक्ष शंकरप्रसाद रौनयार बतौनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु