विराटनगर १८ फागुन । महाशिवरात्रिके अवसरमें विराटनगर १४ रानीमें रहल ऐतिहासिक मण्ठा पोखरि कातमें पारम्परिक धार्मिक मेला लागल अछि ।
शवरात्रिके दिनसँ शुरु भेल इ मेला तिनदिन धरि चलत आयोजक समिति जानकारी देने अछि । मण्ठा पोखरि कातमें रहल बाबा बाणेश्वरनाथ महादेव मन्दिरमें दर्शन करआएल तिर्थयात्रीके लक्षित कक तिनदिवसिय मेला लगैत आएल अछि । शिवरात्रिके अवसरपर मन्दिर समिति, प्रत्येकबर्ष अहिठाँम बिशेष धार्मिक कार्यक्रमसबहक आयोजना करैत अछि । अहिबेर सेहो भगवान शिवके विवाह महोत्सव आ ४८ घण्टाके अखण्ड अष्टजाम संकिर्तनके आयोजन कएलगेल बाबा बाणेश्वरनाथ शिव मन्दिर समितिके अध्यक्ष गंगाप्रसाद यादव जानकारी देनेछथि । भगवान शिवके विवाह कार्यक्रम अन्र्तगत मिथिला विवाह पद्धति अनुसार चतुर्थि कएलापश्चात मेला बिसर्जन होएत अध्यक्ष यादव जानकारी देनेछथि ।
मेलामें विराटनगर महानगरपालिकासहित आसपडोसक गाउँपालिका आ सिमावर्ती भारतीय राज्य बिहारक तिर्थालुसब सहभागि भरहल अछि । मण्ठा पोखरिके अहि क्षेत्रमें शिवरात्रिके अवसरपर २ सौ बर्ष पहिनहिसँ मेला लगैत आएल अपन पुर्वजसब मार्फत जानकारी भेल मन्दिर समितिके अनन्तलाल यादव बतौनेछथि । भारतीय तिर्थालु सेहो बहुसंख्यक रुपमें अहि मेलामे अबैतरहल ओ जानकारी देनेछथि ।
बाबा बाणेश्वरनाथ मन्दिर आ मण्ठा पोखरि प्रसिद्ध तीर्थस्थल रहलोपर एकर प्रर्बधन आ संरक्षणहेतु संघ,प्रदेश तथा विराटनगर महानगरपालिका सेहो ओतके ध्यान नैदेलक स्थानियबासी बतबैत अछि । साबिकके मन्दिरके जीर्णोद्धार एवं पोखरि कातमें सिढि तथा चबुतरा निर्माण केनाई अति आवश्यक रहल ओसब बतौने अछि । ऐतिहासिक आ प्राचिन महत्वके अहि तिर्थस्थलके महत्वक बिषयमें प्रचारप्रसार कसकलापर भारी संख्यामें पर्यटक जुटि सकैत अछि, स्थानीय दिनेशकुमार साह बतबैछथि ।
मण्ठा पोखरिक्षेत्र लगभग पौने २ बिगहा क्षेत्रफलमें पसरल अछि । विराटनगर भन्सारके लगेमें रहल अहिक्षेत्रके ब्यवस्थित आ संरक्षित करैत प्रचारप्रसार कसकलापर अहिक्षेत्रके महानगरपालिका भितरके एकटा प्रमुख धार्मिक गणतब्य आ तिर्थस्थलकेरुपमें विकास कएलजासकैत अछि ।