विराटनगर १७ फागुन । महाशिवरात्रिक पवित्रपर्वके मानव कल्याण आ चरित्र निर्माणक अवसरकेरुपमें प्रयोग कएलजेवाकचाहि विराटनगरमें आयोजित आध्यात्मिक प्रवचनके वक्तासब बतौने अछि ।
विराटनगर–१० स्थित ब्रम्हकुमारी राजयोग सेवा केन्द्रद्वारा आयोजना कएलगेल प्रवचन कार्यक्रमक वक्तासब एहन बतौने अछि । ओहि अवसरमें बजैत महेन्द्रमोरङ आदर्श बहुमुखी क्याम्पस विराटनगरक क्याम्पस प्रमुख बाबुराम तिम्सिना, माहाशिवरात्रि पर्वके ब्यक्तीके अपन आचरण सुधार करएके अवसरकेरुपमें प्रयोग करकेचाहि बतौने छलथि । ब्यक्तीद्वारा अपनो मात्र आचरण सुधार कएलापर समाज आ देशमें बहुतो बिषयमें परिर्वतन आबिसकैत अछि बतौनेछलथि । विराटनगर महानगरपालिकाके मेयर भिम पराजुली, धर्मके रक्षा केनाई ब्यक्तीके परम कर्तब्य रहल बतौलनि ।
धर्मके रक्षा कएलापर धर्म सेहो ब्यक्तीके रक्षा करैत अछि ओ बतौनेछलथि । मेयर पराजुली, ब्रम्हकुमारी राजयोग सेवाकेन्द्र लोकसबके सत्कर्महेतु प्रेरित करएके साथे आपसी एकता आ सद्भावके मार्गपर लजाएमें सफल रहल बतौलनि । विराटनगरके गरिमा बढाबमें सेहो ब्रम्हकुमारीके भुमिका महत्वपुर्ण रहल हुनकर कहब छल । ब्रम्हकुमारी राजयोग सेवा केन्द्रके संचालिका ब्रम्हकुमारी गिता दिदि, महाशिवरात्रिके पवित्र अवसरके ब्यक्तीके अपन चरित्र निर्माणक साथे परमात्मा शिवप्रति समर्पित होबके दिनकेरुपमे सदुपयोग करवाकचाहि बतौनेछलथि ।
ओहि अवसरपर संस्थामें आबद्ध प्राडा अजय भट्टराईके सम्मान कएलगेल छल । त्रिभुवन विश्वविद्यालयसँ प्राध्यापकके उपाधि हासिल करएमें सफल भेल भट्टराईके महानगरके मेयर पराजुली आ ब्रम्हकुमारी गितादिदि फुलमाला आ चादर ओढाक सम्मान कएलनि । महाशिवरात्रिके अवसरमें तीन दिनक बिशेष कार्यक्रम आयोजना कएनिहार ब्रम्हकुमारी दोसरदिन आध्यात्मिक प्रवचनको कार्यक्रम कएने अछि ।
अहिसँ पहिने सोमके पहिलदिन धार्मिक झांकी सहितके रैली निकाललगेल आ बुधदिन रक्तदान कार्यक्रम कएलजाएत संस्थामे समर्पित बिनोद अग्रवाल जानकारी देनेछथि । ओहि अवसरमें संस्था स्थापनाके सन्दर्भ जुटाक केक सेहो काटलगेल छल ।