विराटनगर १५ फागुन । मोरङके लेटाङ नगरपालिकामे भेल बालिका बलात्कार तथा हत्याके जघन्य अपराध घटनामें संलग्न अभियुक्तके प्रहरी सार्वजनिक कएने अछि ।
फागुन ११ गते भेल ओहि घटनामें प्रहरी लेटाङ नगरपालिका ८ घर रहल ६४ बर्षिय दिपक गिरिके सार्वजनिक कएने अछि । लेटाङ ८ के जाँते उच्च माध्यमिक विद्यालयमें कक्षा ६ मे अध्यनरत रहल १२ बर्षिय बालिका विद्यालययसँ घर घुमैतकाल फागुन ११ गते बेपत्ता भेल छल । खोजतलासके क्रममे फागुन १३ गते ओकर शव घरसँ ३ किलोमिटर दक्षिण लेटाङ ८ के लालहिरा सामुदायिक बनमें भेटल छल । बालिकाके शव खधियामें धक पथ्थरसँ दाबल अवस्थामें भेटल प्रहरी जानकारी देने अछि । विद्यालयसँ २ घण्टा दुर रहल अपन घर असगरे घुमिरहल बालिकाके अभियुक्त देखलक तथा ओकरा फुसलाक बीच जंगलमें जलाक जबर्दस्ती करणी कएलक जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङके एसपी जनार्दन जिसि बतौनेछथि ।
बलात्कार पश्चात बालिकाद्वारा घटनाके बिषयमें अपन बाबुके कहिदेब कहैत दौडलापर पोल खुलके डरसँ अभियक्त बालिकाके गर्दन दबाक हत्या कएलक ओ बतौनेछथि । हत्यापश्चात अभियुक्त लगेमें रहल पैनी कातमें बालिकाके शव पथ्थरके निच्चा दाबिदेलक जिसि बतौनेछथि । शव नुकएलाबाद अभियुक्त बालिकाके कपडालत्ता आ जुत्ता आनिक अपने घर पाछामें रहल पैनी कातमें डाहिक नष्ट कक घर घुमल बात अनुसन्धानके क्रममें पता लागल ओ बतौनेछथि । ओहि घटनामें प्रहरी, बालिकाके कपडा जराएल स्थानसँ अभियुक्तद्वारा प्रयोग कएलगेल लाईटर, जरल जुत्ताके सोल,बेल्टके बक्कल आ बालिकाद्वारा प्रयोग होइत आएल मोबाईल सेहो बरामद कएने अछि ।
अभियुक्त विरुद्ध जबर्दस्ती करणी आ कर्तब्य ज्यानसहितके २ मुद्धा चलाएलगेल प्रहरी जानकारी देने अछि ।मुलुकी अपराध संहिता ऐन २०७४ क परिच्छेद ५ के दफा ४१ अनुसार उक्त मुद्धामें जन्म कैदके ब्यस्था रहल प्रहरी जानकारी देने अछि ।