विराटनगर २३ माघ । विराटनगरमे नेवार बालिका सबहक सामुहिक इही अर्थात बेलविवाह भेल अछि । नेपालभाषा सांस्कृतिक संघ झीपुचके आयोजनामें २२ गोटे नेवार बालिका सबहक सामुहिक बेलविवाह सम्पन भेलअछि ।

बगलामुखी मन्दिर परिसरमें रबिदिन एकेसंग नेवार बालिकासबहक बेलविवाह सम्पन भेल अछि । समुदाय भितरेके पुरोहित परम्परागत संस्कृति आ विधि अनुसार बालिकासबहक बेलबिवाह सम्पन करौने छल । अहिबेर सेहो कोभिडके संक्रमण तीब्र रहलासँ कोभिड सम्बन्धि प्रोटोकोल पालना करैत कमे संख्यामें सहभागि कराक बेलविवाह कार्यक्रम आयोजना कएलगेल झीपुचक अध्यक्ष हरिबहादुर श्रेष्ठ जानकारी देनेछथि । नेवार समुदायमें बालिका सबहक बेल विवाह कराबके प्रचलन अछि ।

अहि समुदायके तिन बर्षसँ उपर एगारह बर्ष धरिक बालिका सबहक बेल विवाह कराबके प्रचलन अछि । बालिकासबके महिनावारी शुरु होमसँ पहिनहि बेल संग विवाह कराबके धार्मिक परम्परा अछि । बेटीके बेलविवाह आ बेटाके उपनयन अनिवार्य रहल नेवार समुदायके मान्यता अछि । बेलविवाह पश्चात बालिकासबके ८४ व्यन्जन सहितके नेवारी पकबान थ्याबु खुअएबाक प्रचलन अछि । बेलविवाह पश्चात कन्यासब अन्य विवाहित महिला जँका पहिरन तथा शृङगार कसकैत अछि ।

बेलविवाह भेल बालिकासब कहियो विधवा नै होइत अछि बातक विश्वास आ मान्यता सेहो अहि समुदायमें रहल अछि । फजुल खर्चके न्युुनिकरण करएके उद्धेश्यसँ हाल आबिक सामूहिक वेलविवाहके प्रचलन बढैतगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु